स्पेसएक्सद्वारा अन्तरिक्ष विज्ञानमे चमत्कार

एलन मस्कके कम्पनी ‘स्पेस एक्स’ (SpaceX) स्टारशिप रकेट फाल्कन ९केँ अंतरिक्षसँ घुमा कऽ धर्ती पर सुरक्षित उतारऽ मेऽ सफल भेल अछि। जे की विज्ञानक क्षेत्रमे बहुत बड़का चमत्कारपूर्ण उपलब्धि अछि।
एखन घरि, रकेटकेँ प्रक्षेपण कऽ अन्तरिक्षमे जाइत देखल गेल अछि, मुदा ई पहिल बेर अछि जे रकेटकेँ अंतरिक्षमे सऽ घुमा कऽ धर्ती पर सुरक्षित उतारल गेल हो। सम्भवतः एहि उपलब्धिसँ मंगल ग्रह पर मानव बस्ती बसएबामे एलन मस्कक सपना पुरा होएत तथा अन्तरिक्षमे आओर खोज-अनुसन्धान करऽमे बहुत बेसी सहयोग भेटत।
‘स्पेस एक्स’ एखन घरि केऽ सबसँ बलशाली रकेट स्टारशिप बनौलक अछि। ई ओकर पांचम परिक्षण छल, जइमे सफलता भेटल छै।
पहिने भारी-भरकम बूस्टरकेँ धर्ती सँ ९६ कि.मी. ऊपर अन्तरिक्षमे पठाओल गेल। घुरैत काल स्टारशिपक तापक्रम १,४३०°C पहुचल छल। स्पेसएक्स, २७,३५० किलोमीटर प्रतिघंटा बला बूस्टरक गतिकेँ सनै-सनै कम करैत लन्चपैड धरि लाबि विशालकाय ‘मैकेजिला’ नामक मैकेनिकल भुजा द्वारा पकैड़ लेल गेल, ठीक ओहिना जेना केकरो आगा बच्चा अएला पर दूनू हाथे कोरामे धऽ लेल जाइछ। एहि संग अन्तरिक्ष विज्ञानक इतिहासमे एकटा नव इतिहासक रचना संगहि अन्तरिक्ष विज्ञानक क्षेत्रमे नव क्रान्तिक आरम्भ भऽ सकैत अछि।
अइ सऽ पहिने ‘स्पेस एक्स’क चारि टा परीक्षण असफल भेल छल। पहिल टेस्टमे प्रक्षेपणक चाइरे मिनट बाद रकेट विस्फोट भेल। दोसर बेर ‘स्टेज सेपरेशन’क बाद इन्जिनमे खराबी आएल छल। तेसर टेस्टमे धर्तीक वायुमंडलमे घुमि अएलाक बाद स्टारशिपसँ सम्पर्क टूटि गेल। चारिम परिक्षण सफल भेल छल मुदा रकेटकेँ समुद्रमे उतारल गेल छल।
‘Reentry: SpaceX, Elon Musk and the Reusable Rockets that Launched a Second Space Age‘ नामक पुस्तकमे लेखक एरिक बर्गर (Eric Berger) एहि चमत्कारपूर्ण काज कोना भेल से लिखने छथि। ओ लिखने छथि जे कोना मस्कक कम्पनीक किछु प्रतिभावान इन्जिनियरसब द्वारा ई रकेटकेँ अमेरिकामे बनाओल गेल, जइमे अमेरिकी सरकारक मदति सेहो भेटल अछि। एरिक कहैत छथि जे एहि उपलब्धिमे मस्कक अपन वैज्ञानिक टीमसँ आओर नीक काज करबाक मांग प्रमुख रहल अछि। एरिक पुस्तकमे लिखने छथि जे एहि कथाक आरम्भ २००८ मे शुरू भेल। जहिया SpaceX द्वारा अपन पहिल रकेट, फाल्कन १ बनाओल गेल। मुदा, ई छोट आ कम सामर्थ्यवान रकेट छल जाहिसँ व्यापारीक प्रयोग सम्भव नइँ छल।
एरिक बर्गरक पुस्तकमे कम्पनीक किछु प्रमुख उपलब्धिसभक बारेमे चर्चा भेटैछ। मस्क अपन वैज्ञानिक टीमकेँ गम्भीरतापूर्वक आस्वस्त कएलथि जे साँचे ओ एहन रकेट बनाबऽ चाहै छथि जेकरा पुनः प्रयोग कएल जा सकए। जइसँ अन्तरिक्ष विज्ञान क्षेत्रमे क्रान्ति आओत। जेकरा लेल एलन मस्क गम्भिर आर्थिक जोखिम उठएबाक लेल प्रतिबद्ध रहथि। वैज्ञानिक टीम सेहो एहि बातकेँ गम्भिरतापूर्वक लेलथि आ कम समयमे सकभरि कम खर्चमे कामकेँ आगा बढौलथि।
वैज्ञानिक टीम ओ मस्कक प्रतिबद्धता आ स्पष्ट दृष्टिकोणसँ फाल्कन ९ धरि अबैत-अबैत हिनकासभकेँ सफलता भेटलनि अछि। आब देखबाक ई छै जे मानव सभ्यतामे अन्तरिक्ष विज्ञानक ई चमत्कारपूर्ण ऐतिहासिक उपलब्धि कतेक सार्थक होएत।
के छथि एलन मस्क ?
इलोन रिभ मस्क (Elon Reeve Musk) क जन्म जुन २८, १९७१ मे दक्षिण अफ्रिकामे भेल छनि। ई क्यानडेली-अमेरिकी व्यवसायी, लगानीकर्ता, इन्जिनियर, औद्योगिक डिजाइनर, प्रविधि उद्यमी छथि। स्पेसएक्स (SpaceX)क संस्थापक, प्रमुख कार्यकारी अधिकृत, प्रमुख प्राविधिक अधिकारी आ प्रमुख डिजाइनर मस्क फोर्ब्स पत्रिकाक सर्वेक्षण अनुसार संसारक सबसँ शक्तिशाली व्यक्तिसभक सुचीमे २५म स्थानमे तथा विश्वक सातम धनि व्यक्तिक रूपमे सुचिकृत भेल छथि।