News

सत्यमोहन जोशीके निधन, शरीरकेँ दाह संस्कार नइँ

शतब्दी पुरुष सत्यमोहन जोशीके आइ प्रातह १०३ वर्षमे निधन भेल अछि। हुनकर नश्वर शरीरकेँ दाह संस्कार नइँ कएल जाएत। अस्पताल के प्रोफेसर डा. किशोर सिंह बस्नेत जानकारी देलनि, जे हुनकर लाशकेँ नॉन एब्जॉर्बेबल केमिकलके प्रयोगक किष्ट मेडिकल कॉलेजमे राखल जाएत।

जोशी पहिने अपन शरीर दान करबाक घोषणा केने छलाह।

रविदिन भिन्सर ७:०९ बजे किष्ट मेडिकल कलेजमे हुनकर मृत्यु भेल अछि ।अन्तिम संस्कारक लेल आइ हुनकर नश्वर शव ललितपुर नगर निगम परिसरमे राखल जायत। एकर बाद हुनकर शरीर कए एहन रसायनक उपयोग करि अध्ययनक लेल राखल जाएत जे शरीर करि गलि नइँ जाएत।

वि.सं. हिनक जन्म ३० बैशाख १९७७ मे भेल छलनि आ पाटन दरबार क्षेत्रक समीप बखुम्बाहलमे रहैत छलाह। 2013 मे पहिल बेर आ तीन बेर स्थापित मदन पुरस्कार 2012 मे स्थापित मदन पुरस्कार प्राप्त करएवला एकमात्र व्यक्तित्व संस्कृतिविद जोशी छथि। हिनक रचना ‘हाम्रो लोक संस्कृति’ २०१३ मे, ‘नेपाली राष्ट्रीय मुद्रा’ २०१७ आ ‘कर्णली लोक संस्कृति’ २०२८ मे मदन पुरस्कार प्राप्त केलक।

ललितपुर महानगरपालिकाक मेयर चिरीबाबू महर्जन कहलनि जे, सत्य मोहन जोशी जी अपन मृत्युक बाद अपन लाश किष्ट मेडिकल कॉलेजमे पढ़ाई लेल दान करबाक घोषणाक चुकल छथि। ताहि लेल ई हुनकर इच्छानुसार होएत।
किष्ट मेडिकल कॉलेजमे जोशीके निशुल्क इलाज भ रहल छल ।

I Love Mithila

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles

Leave a Reply