News

सनराइज युथद्वारा दलित सामुदायक बौआबुच्चीकेँ शैक्षिक सामग्री प्रदान

सिरहा नगरपालिका वाड नं ८ स्थित मैसोथा गामक दलित बस्तीमे सनराइज युथ सिरहा संजाल SYSS द्वारा माथ टिका लगाक’ दशमीक शुभकामना दैत सिरहा ना.पा. ८ क दलित सामुदायमे गरिब बौआबुच्चीसभकेँ पढ’ वला सामग्रीसभ बितरण क’ कार्यक्रम सम्पन्न कएल गेल अछि।

Ad

सामग्रीसभ वितरण करैत दलित गरिब बौआबच्चीसभ सेहो पढि पाबए आ आजुक धियापुता काल्हिक कर्णधार छी,जँ आइ नइँ तँ काल्हि नइँ, काल्हि लाबि सकतै आजुक धियेपुता, धियेपुतासँ सियान आ सियानसँ बुढ़, धियापुता नइँ जँ पढ़त-लिखत तँ बौद्धिक जिबी के होएत ? तहूँमे दलित वर्ग सभदिनसँ पछुआएल अछि। शिक्षामे अइ सामुदायक व्यक्तिकेँ जाधरि पकड़ नइँ रहत ताधरि सामुदायके विकास नइँ सम्भव अछि। सामुदायक विकास लेल बौआबुच्चीक अनिवार्य पठन-पाठनमे लगबहिटा पड़त। भोजन दू छाक कमो होए, अध्ययन नइँ छुटबाक चाही परिवार समक्ष से धारना राखैत कार्यक्रम सम्पन्न कएल गेल। ई कार्यक्रममे ५० गोट बौआबुच्चीसभक उपस्थित रहल छल।

सनराइज युथ सिरहा संजालक सदस्यसभद्वारा एहि कार्यक्रममे सहभागी भेल सम्पूर्ण स्थानीय गामबासीकेँ समेत सम्बोधन कक’ धन्यवाद व्यक्त कएल गेल छल ।

संगहि उक्त कार्यक्रममे बुद्धिजीवीसभ राजिप यादव, ई. सन्तोष साह, ई.सन्तोष गुप्ता,अभाश दास, रुपेश यादव, प्रवेश सिंह, अनिल सिंह, सन्तोष शाह, सुन्दर शाह लगायतक सनराइज युथ सिरहा सञ्जालक सह-संस्थापिका शोभा शाह आ अन्य सदस्यसभक सहभागी रहल छल।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles

Leave a Reply