
मिथिला क्षेत्रमे डिहबार मंदिरक बहुत महत्व अछि। एतऽ कोनो धार्मिक गतिविधि आ पूजा डिहबारक बिना अपूर्ण अछि। हरेक गाममे डिहबारक पूजा कएल जाइत अछि।
डिहबारके महत्वपर प्रकाश करैत सप्तरीके क्रियाशील युवा सुरेश मुखिया एकटा बृतचीत्र बनौने छथि । जे वीडियो ‘मेरो गाउँ, मेरो ठाउँ’ वीडियो चैलेंज 2023′ के लेल मनोनीत भेल अछि।
‘वी विल राइज फाउंडेशन’ द्वारा आह्वान कएल गेल राष्ट्रव्यापी डॉक्यूमेंट्री प्रतियोगिता ‘ मेरो गाउँ मेरो ठाउँ’ के लेल मुखिया डिहबार सम्बन्धी वृतचीत्र बनौने छथि।
आयोजकद्वारा आह्वान कएल गेल 10 विधामेसँ मुखिया जीकेर डॉक्यूमेंट्री 3 विधामे पड़ऽ सफल भेल अछि। ई डॉक्यूमेंट्री बेस्ट स्टोरी, कॉन्सेप्ट डायरेक्शन आओर वेस्ट फ्यूचर स्टार विधामे सेहो पड़ल अछि।
आयोजक वेस्ट वीडियो आफ द ईयर, जजेज च्वाईस अवार्ड, स्टोरी कॉन्सेप्ट, वेस्ट डायरेक्शन, वूमन वीडियो मेकर आफ द ईयर, फ्यूचर स्टार आफ द ईयर, मोस्ट पोटेंशियल डेस्टिनेशन, मोस्ट एनर्जेटिक वीडियो मेकर, वेस्ट स्क्रिप्टवॉइस ओवर लगाईत 10 टा विधा रखने छथि। प्रत्येक विधामे सात-सातटा मनोनयन कएल गेल अछि।
निर्देशक भूषण दाहाल, अभिनेत्री करिश्मा मानन्धर, प्रेस काउन्सिल नेपाल अध्यक्ष बालकृष्ण बस्नेत, निर्देशक आ सिनेमाटोग्राफर सबनम मुखिया, नेपाल पर्यटन बोर्ड प्रबन्धक अर्चना केसी राणा, नेपाल उद्योग महासंघ महाप्रबन्धक दीपकराज जोशी (पर्यटन बोर्डके पूर्व सीईओ) आ वी विल राइज फाउन्डेशनके निर्देशक निर्मल श्रेष्ठ सहभागी निर्णायक टोली देश भरिसँ पठाओल गेल कुल 258 डॉक्यूमेंट्रीमे सँ 70टा डॉक्यूमेंट्री निर्णायक मंडल नामांकित कएलनि अछि।
सर्वश्रेष्ठ वीडियोमेसँ वेस्ट वीडियो आफ द ईयरके लेल पाँच लाख टक्का, जजेज च्वाईस अवार्ड के लेल दू लाख आ बाँकी सभटा विधाक लेल एक-एक लाख नगद सहीत ‘मेरो गाउँ मेरो ठाउँ’ भिडियो च्यालेन्ज २०२३’ अवार्ड प्रदान कएल जाएत से आयोजक बतौलनि।
प्रतियोगिताक ग्राण्ड फिनाले वि विल राईज फाउंडेशन नेपाल टेलीविजनक संयुक्त आयोजनामे जेठ १३ गते सांँझमे राष्ट्रीय सभागृह, काठमांडूमे होएत। आयोजक कहलनि जे, नेपाल टेलिभिजनसँ कार्यक्रमक प्रत्यक्ष प्रसारण होएत। नेपाल पर्यटन बोर्ड आ चलचीत्र विकास बोर्ड सेहो एहि कार्यक्रममे सङ्गे अछि।