स्वस्थ्य / हेल्थ: अपनहुँ केमीकलसँ पकाएल गेल तरबूज त नइ खा रहल छी ?
गर्मी मौसममे अखन बहुत बेसी तरबूज खाएल जा रहल अछि। लेकिन, लाल-लाल तरबूज प्राकृतिक रुपेँ पाकल छै, वा केमीकल प्रयोग कऽ पकाएल गेल छै, से बात पर अपने गौर कएने छी ? केमीकलसँ पकाएल गेल तरबूज एना चिन्हल जा सकै छै।
तरबूजमे गढ़़गड़ लाल रंग लाबऽ लेल प्रयोग कएल जाएवला सबसँ जहरीला डाईमेसँ एकटा छै “एरिथ्रोसिन”। एकर प्रयोग खास कऽ खानाके रंगीन बनाबए लेल कएल जाइत छै। Food Safety and Standards Authority of India (FSSAI) / भारतीय खाद्य सुरक्षा आओर मानक प्राधिकरण, सर्वसाधारण लोक सबकेँ एहि खतरनाक मिलावट प्रति जागरुक करबाक लेल एकटा वीडियो जारी कएने छै, जइमे बताएल गेल छै जे तरबूजमे केमीकल मिलावटकेँ पत्ता केना लगाएल जाए।
वीडियोमे देखाएल गेल अनुसार, तरबूजकेँ दू-भागमे काटि कऽ रुइयाँ भिजाबऽ कऽ प्रयास कएल जाए, जँ रुईयाक रंग बदलैत छै वा लाल भऽ जाइत छै, तब कहल जा सकैए जे तरबूजमे केमीकलके प्रयोग कएल गेल छै। आ यदि, रुईया तरबूजक रसमे भिजलाक बादो लाल नइ होइत छै, त एकर मतलब ई भेलै जे तरबूज प्राकृतिक रूपसँ पाकल छै। व्यापारी सब तरबूजके लाल करऽ लेल जाहि केमीकल एरिथ्रोसिनकेँ प्रयोग करैत छै, ओ मानव शरीरपर बहुत खराब असर कऽ सकैए, तेँ सावधान होयबाक आवश्यकता छै।
एरिथ्रोसिन शरीरक नर्वस सिस्टमकेँ प्रभावित कएने एकटा अध्ययनमे देखल गेल छै। ई केमीकल प्रयोग कएल गेल तरबूज बेसी दिन लगातार खएलासँ बच्चा सभक सामान्य व्यवहारमे, थाईराइड फ़ंक्शनमे लगायत आन गंभीर समस्या सब भऽ सकैए। रंग मात्रे नइ तरबूजक स्वादकेँ सेहो आर्टिफिशियल तरीकासँ बढ़ाएल जाईत छै कार्बाइड नामक केमीकल प्रयोग कए कऽ।
फल सबके जल्दी पकाबऽ लेल कार्बाइडकेँ प्रयोग कएल जाइ छै, तरबूज किनैत काल एहिपर उजरा पाउडर जकाँ देखमे आबैए त बूझल जाओ जे वो कार्बाइड छै, ओना कतेक व्यापारी पानिसँ धोइ देने रहै छै।
कार्बाइडसँ पकाएल गेल फल बेसी समय खएलासँ माथमे दर्द, त्वचापर चकत्ता जेहन भऽ सकैए, छातीमे दर्द लगायत शरीरक नर्वस सिस्टमकेँ प्रभावित कऽ सकैए। कतेको बेर एहि दुष्परिणामक कारण बहुत सीरियस अवस्था सेहो भऽ सकैए।
स्वास्थ्य विशेषज्ञसबहक कहब छनि जे, बिन मौसमवला फल आ तरकारीक सेवन सकभरि नहिये करी त निक।