Opinion

तेजु मैथिलक अप्रेशन सरकारीए अस्पतालमे सफल

अपनासँ उठल पार नइँ लागल, अगल बगलके घरसँ आ  घर (रूम) सहायतासँ बहार निकालल गेल। शरिर सहगर भेलासँ गिरैत जाँघक हड्डी टुटि जाइय।

वि.सं. २०८१ भादब महिनाक ९ गते रविदिन रातिक करिब ८ बजे लहानमे तेजु मैथिल बजारसँ अपन रुम पर सिटी रिक्सासँ जाइत रहए । तेजु मैथिल जन्मेसँ दृष्ट विहिन छथि । सिटी रिक्साबला सिटी रिक्सा रुमक बहार रोड पर रोकैत तेजुसँ कहैत अछि ठहरु तेजु जी हम रुम धरि छोडि दै छी । ताबे तेजु सिटी रिक्सासँ उतरि एक दू डेग ध दैत अछि ।

Ad

घरक बगलमे गहिरगर नालामे उपरसँ सिमेन्टक झपना लागल रहै छै। संयोगसँ एकटा पएर ओइ नालामे गिर पडैत अछि । असहय पिड़ा देह भरिमे दाैड़ गेल। अपनासँ उठल पार नइँ लागल, अगल बगलके घरसँ आ घर (रूम) सहायतासँ बहार निकालल गेल। शरिर सहगर भेलासँ गिरैत जाँघक हड्डी टुटि जाइय। बादमे तेजुकेँ राति ९ बजे, राम कुमार सारडा उमा प्रसाद मुरारका प्रादेशिक अस्पताल, लहान, सिरहामे लगेल गेल।

सारा जाँचक बाद स्टील लगएबाक बात आएल । १० गते छुटि भेलाक कारणे अप्रेसन ११ गते होएबाक बात तय भेल । ११ गते करिब साढे ३ बजे दिस डा. बिनोद कुमार सिंह (क. अर्थोपेडिक सर्जन), एनेस्थेसिया असिस्टेन्ट जगत महतो, एनेस्थेसिया असिस्टेन्ट संजय यादव, वरिष्ट हेल्थ असिस्टेन्ट ललित यादव ‘ललन’ आ नर्स दिपिका चौधरी सभक टिम सहित अप्रेशन सुरू भेल । साढ़े तिन / चारि घण्टाक प्रक्रियाक बाद अप्रेशन सफल रहल ।

डाक्टरक हिसाबे अप्रेसनक समय समस्याक बात ई रहए जे अइ तरहक अप्रेशनमे जाँघक मासु लिभरमे जा सकैय आ तेहन समयमे आई.सि.यू.क बेगरता पडि जाइत अछि । मुदा भाँगठ ई जे अइठाम आई.सि.यू. नइँ रहए । डाक्टर भरोस देने रहए जे सौ, दू सौमे कहियो काल एहन परिस्थिती अबै छै जे अप्रेशनक समय आई.सि.यू.क बेगरता पडि जाइत छै । जे लगमे करजनहा आ सप्तरीमे मात्र उपलब्ध अछि । तथापि, डा. बिनोद कुमार सिंह (क. अर्थोपेडिक सर्जन)क टिम एहन जटिल काजकें अही ठाम लहानेमे सफल कएलक । ई एकटा निक सनेश अछि आनोके लेल ।

जगत महतो वा राम कुमार सारडा उमा प्रसाद मुरारका प्रादेशिक अस्पताल, लहानसँ तेजु मैथिलक लेल विशेष छुटक व्यवस्था कएल गेल । जे अप्रेशन बाहर आन कतौ कएला पर दू/अढाइ लाखमे होइत से अइठाम मात्र २० हजारके लपेटमे भ गेल ।

विशेषतः अइ पुरा काजक लेल, शेख मिडिया हाउसक अध्यक्ष, सरगम एफ एमक संचालक पत्रकार फिरोज शेख विशेष भूमिका रहल अछि। मुदा हमरा सभक अपन लोक मिथिलाक गतिविधिमे सेहो सक्रिय रहल ललित यादव ललनकेँ विशेष धन्यवाद ।

संगीत, गायन आ रेडियो पेशासँ जिवनयापन करैत आबि रहल तेजु मैथिल मैथिलीक कतेको उत्कृष्ट माैलिक गीत संगीत देने अछि। कलाकार आर्थिक अवस्थाके नइँ त राज्य ठीकसँ देखल भाष पसरि रहल समयमे अस्पताल संयन्त्र तथा पत्रकारक सहयोगसँ अप्रेशन सफल हेब साैभाग्यक गप्प छी।

विगतमे शास्त्रीय गायक गुरूदेव कामत मृत्यक कचोट लागएबला ज्वलन्त उदाहरण अछि।

कलाकारक लेल जीवन बीमा, दुर्घटना बीमा एहन समयमे बेसि महत्वपूर्ण रहैत अछि । ई दुर्घटना केकरो जिवनमे आबि सकै छै। ओना सर्वसाधारणके लेल सेहो जटिल रहै छै। कलाकार समाजक प्रतिनिधि भेलासँ कमसँ कम समाजक जागरूक व्यक्तिसभके एहन विषयपर ध्यान देबाक चाही ।

नारायण मधुशाला

तेज नारायण यादव, सिरहा । न्यूज रिपोर्ट । ilovemithila.com । । कवि। गीतकार

Related Articles