मैथिली भाषाके समृद्धिके चर्चा पढ़ैत आएल छी,अइमे मुख्य योगदान मिथिलाके परम्परा, गीतनाद ( Maithili Fusion Song, Maithilli Bhagati Song ) के छै। आई लभ मिथिलाद्वारा “Maithili Famous Female Singer List” तयार प्रस्तुत अछि…

1515.मैथिली ठाकुर (Maithili Thakur)

१५. Maithili Thakur
Most Famous List of Maithili Female Singer in Mithila
मैथिली ठाकुर , दि राइजीङ्ग स्टारसँ चमकल स्टार छथि। हिनका हाल गुगलमे मैथिली सङ्गीतमे सर्वाधिक खोजल जाइत छै। Maithili Thakur के सोशल मिडियामे बहुत चर्चित नाम अछि। मुदा the Rising Star मे मैथिली २ मतसँ हारि गेल छलीह। लोक गीत बेसी गाबल करैत छथि।मैथिली लोक गीतसभ गने छथि।
जन्म स्थान : बेनिपट्टी, विहार भारत
लाइभ गीतसभ: हे सिया हे सिया अहाँ पाबि गेलहुँ, एहन सुन्दर मिथिलाधाम , मिथिलाके नटवासँ बढ़ि गेलै शान रे,जेहने किशोरी मोरी तेहने किशोर हे,चारू दुलहाकेे आरती उतारू हे सखी

14शिवानी भगत (Shiwani Bhagat)
Most Famous List of Maithili Female Singer in Mithila

14. Shiwani Bhagat
शिवानी भगत , छोटे अपन माएसँ प्रभावित भ’ गीत सङ्गीत प्रवेश कएलनि। नेपाल आइडलके प्रतियोगी सेहो छलथि।आवाजमे माधुर्यता अछि जे सबके मुग्ध कएने अछि।
जन्म स्थान: देवी चौक जनकपुर,धनुषा जिला, नेपाल
पहिल गीत : इएह छी हमर जनकपुर सीता ,
अन्य मौलिक गीत : जय मधेश जय जय मधेश (मधेश गान), जानकी सोहर,चीड़ैएक चुन चुन, लोक गीत आ विभिन्न रेडियो जिङ्गलसभ,
हाल : भारतीय राजदुतावाससँ छात्रवृति पाबि मुम्बइमे सङ्गीत अध्ययन, Mumbai University of Music Department

13ज्योती विश्वकर्मा (Jyoti Bishwakarma )

13. Jyoti Bishwakarma
ज्योती विश्वकर्मा, नेपालक मिथिला क्षेत्रमे कम उमेरमे अत्याधिक चर्चित गायिका अछि।
जन्म स्थान : मोहनपुर, सप्तरी जिला, नेपाल
पहिल गीत हिनक: मुस्कानमे अहाँक
अन्य मौलिक गीत : नइँ जायब ओइ देश हो रामा (हम सिया छी ,एल्बम) , प्रियतम हमर परदेशिया कतेक दिन रहबै मलेशिया, घास काटैए चलु अहाँ,छोड़ब नइँ कहियो ,
हाल सङ्गीत: अध्ययन काठमाण्डू

12प्रिया राज (Priya Raj)

12. Priya Raj
प्रिया राज, लोक गीत तथा आधुनिक गीत दुनुमे सक्रि एकटा राजनितिक परिवारसँ होइतो , मैथिली गीत क्षेत्रमे सक्रिय आ प्रिय अछि।अपन पिता अरूण सिंहसँ प्रेरित छथि।टिभी रियालिटी शो सुर संग्राम,भारत की शानमे प्रतियोगी छलीह।जय सिंह यादव हिनक काका जी पूर्व विधायक रहथि।
बासस्थान : परसाही,मधेपुरा, विहार
मौलिक तथा पारम्पारिक गीत : मधुमास आयल, शिव हो उतरब पार ,देलहुँ अहीँकेँ करेज हम,यज्ञ भूमि जे राजा जनकक

11अञ्जु यादव (Anju Yadav)

11. Anju Yadav
अञ्जु यादव, छोटेसँ मैथिली गीतमे निरन्तर रहल छथि । हिनक सघर्ष आ सक्रियताके उदाहरण बनि गेल अछि। भाइ जी श्यामसुन्दर यादवके हिनका गायिका बनबैमे विशेष योगदान अछि।
जन्म स्थान: खुरहुरिया,सप्तरी जिला,नेपाल
पहिल गीत : राजदेवी माँके महिमा अपार हो,
अन्य मौलिक गीत: हम गेलहुँ फूलबारि मेलामे, स्पर्श अहाँके , लोक गीत,मिथिलाके कर्म छै प्रधान गे बहिना (एल्बम)चन्द्रमुखी,सुमिरन मैयाके,पिया हमरा प्यार भ’ गेल,हम सिया छी ,

10नेहा प्रियदर्शनी (Neha Priyadarshini)

10.Neha Priyadarshini
नेहा प्रियदर्शीनी, मैथिली बाल गायनसँ एखन धरि सक्रिय छथि।अपन पापा सङ्गितकार सुनिल मल्लिकसँ प्रेरित भेलनि।
जन्मस्थान : जनकपुर,धनुषा जिला,नेपाल
पहिल गीत : हेतै दिदीके वियाह गे बहिना
अन्य गीत : जुलुम करे ना , हमर बौआ चान सँन ,मिला ले तु नजरिसँ नजरिया ना ,हमर बौआ ,हम त अहीँके बगियाके एकटा फूल यौ बाबु, नीक नीक कपड़ा पहिरके हमहुँ बनि जेबै महारानी,अङगुरीमे डसलक नगिनिया हो रामा

9छाया कुमार (Chhaya Kumar)

9.Chhaya Kumar
छाया कुमार, मैथिली लोक गीतमे अपन अवाजसँ सुग्नध पसारने छथि।हिनकर गीत छाया मैथिली गीत कहिके युट्युबमे छनि।
बासस्थान: दरभङ्गा,विहार
पहिल गीत: श्यामला पहुनवा
अन्य गीत : पीया गेलाह परदेश बिसरि गेलाह देश,जाउ जाउ आहे कागा,तोहर पिया छौ सहरके बबुआन,केहन कठोर भेलहुँ

8कुमकुम मिश्रा (Kumkum Mishra)

8.Kumkum Mishra
कुमकुम मिश्रा, प्राय: लोक गीतमे जानल जाइत छनि। सोहर,समदाउनमे हिनक बिशेष योगदान अछि।
बासस्थान : बड़हारा, मधुवनी,विहार
गीतसभ : बाबा लेने छलियौ हमरो अपन नगरी, गे बहिना हमर पिया छथि परम बेढङ गे,गौरीके ललना,भोरे भोरे भाङ्ग पिबिक कत’ गेलाह त्रिपुरा हे,बाबा करू ने कन्याधान हे
अनमोल दुल्हा एल्बम,

7पूनम मिश्रा (Poonam Mishra)
Most Famous List of Maithili Female Singer in Mithila

7.Poonam Mishra
पूनम मिश्रा, पारम्पारिक लोक गीत तथा आधुनिक दुनुमे सक्रिय छथि। हिनकर मिथिलामे विवाह होइत काल हिनक गीत अनिवार्य रूपे सुनबामे अबैत छनि।एहिसँ सेहो हिनक प्रसिद्धि बुझाइत अछि।
प्रारम्भिक गीतसभ : मनमोहन दुल्हा (एल्बम) परिछन चलियो सखी,चलु सखी मिलि जुलि जनकके,सिता सुरति देखि
अन्य गीतसभ: एत’के झुमका नइँ पहिरब दरभङ्गासँ ,पिया जीके नगरीया हम नइँ,बड़ा रे जतन हम सिया धीया,तोहे जुनि जाह बिदेश,मैया बड्ड दुलरी

6रश्मी रानी (Ramsmi Rani)
Most Famous List of Maithili Female Singer in Mithila

6.Rashmi Rani
रश्मी रानी, मैथिली आधुनिक गीतमे बहुत पहिनेसँ चर्चित नाम अछि।
जन्मस्थान :जनकपुर,धुनषा,नेपाल
प्रारम्भिक गीतसभ: रे छौड़ा तोरा बज्जर खसताै,तइयो नइँ बैमनमा पिया( गीत गीत घर घरके, एलम्ब) मानि गेलहुँ हमहु जे दुनियाँ बजार छै,अनार बति डोमरी,तोहरे भरोसे
अन्य मौलिक गीत: बाजैए हमर चुड़ी खनकैए कंङना,कुर्ती बाली छाैड़ी कत’ छाै तोहर घर गे,

5रूपा झा (Rupa Jha)

5.Rupa Jha
रूपा झा, नेपालिय मैथिली गीतक क्षेत्रमे महिला गायिकामे रूपा झा अग्र स्थानमे अछि।हिनक गीत घर घरमे सुनल जाइत छल,अछि।
बासस्थान:बस्तीपुर लहान,सिरहा
पहिल गीत : आन दिन उगै सुरूज भोर, (रेडियो नेपाल)
अन्य गीत: हमरे डाला पनपथियासँ देबतो पितर पुजाइ छै,प्रियतम हमर कमौआ यौ,हम त घायल भेलियौ नैनक एकहि , भैया नइँ अएलाह किए निठुर ओ भेलाह किए,जइँ धरती प्रेम फूलै छै कुश्मा आ सलहेशके,बाबा केर छलियै बेटी हम दुलारी,कोयली कानए कियो नइँ जानए,हमरा अपन गरीबीए बरदान,

4रजनी पल्लवी (Rajni Pallavi)

4.Rajni Pallavi
रजनी पल्लवी, मैथिलीक पारम्पारिक गीत गाबिक यथेष्ट यश अरजनिहारि गायिका छथि।
बासस्थान: बंगलूर,भारत
पहिल गीत: जगदम्ब अहीँ अबलम हमर हे माय
अन्य गीतसभ: के पतिया लए जाएत रे,मोरो रे अङ्गनमा ,डमरूवा हे ,मैथिल छी मिथिला बास हमर,हे गौरा बाजु,बर सुख सार ,

3स्वर्णलता झा (Swarnalata Jha)

3. Swarnalata Jha
स्वर्णलता झा , लोक गीतके प्रसिद्ध नाम छियै।
बासस्थान: मधुवनी, विहार
गीतसभ : ई बर फेर दियौ माइ गे इ बर मैथिल नइँ बुझाइ, उमा बिन रहलो नइँ जाइ, ढोल बजना ढोल बजना अएलै बरयाती जनकपुुर,सिया दाइके होइ छनि सिनुर दान

2रञ्जना झा (Ranjana Jha)
Most Famous List of Maithili Female Singer in Mithila

2.Ranjana Jha
रञ्जना झा, पारम्पारिक गीतमे हिनक बहुत प्रसिद्ध नाम अछि।
जन्मस्थान : देविगंज,अररिया जिला,विहार
पहिल गीत: चानन भेल बिसम सरि रे,( चानन)
अन्य गीत: नहिरामे एक लाख ,अहाँ बिसरि गलहुँ,बाबा करू न कन्यादान ,एहन सुन्दर राम ललाके,जेहने किशोरी मोरी,चित चोरबा आजु,मङ्गल आजु जनकपुर ,

1शारदा सिन्हा (Sharda Sinha)
Most Famous List of Maithili Female Singer in Mithila

1.Sharda Sinha
शारदा सिन्हा,मैथिली लोक गीतके सर्वाधिक सदावहार लोक प्रिय गायिका छथि।हिनका पद्मभुषण अवार्डसँ सेहो विभुषित कएल गेल अछि।छठि पाबनि तथा वियाहक गीत हिनक अमर छनि।
जन्म स्थान : हुलास राघोपुर, सुपौल जिला विहार,भारत
गीत : जगदम्बा घरमे दियरा बारि अएहुँ हे,बड़ा रे जतन हम सिया धीया,जय जय भैरवी असुर भयावनी,पटनाके घाटपर, सखी फूल लोढ़े चलू फूलबरिया,सुतल छलियै बाबाके भवनमा,जय जय भैरवी,आगे माइ हरदी,पियाके नगरिया चलली दुलहनिया,
एकटा जरूरी बात…
→ *प्रस्तुत नामावलीमे क्रम संख्या नवसँ पुरानके क्रममे राखल गेल अछि।
→ *जे सर्वाधिक माैलिक गीत गाबने छथि वा पारम्पारिक गीत गेने छथि । हुनकासभके नाम देल अछि। जे श्रृजना नइँ करैए से रचनाकार नइँ तहिना ई नियम सब कलाकरिता विधामे लागु होइत छै।