News

आब स्नातकोत्तरक परीक्षा मात्र दू घण्टाक हेत !

त्रिभुवन विश्वविद्यालय स्नातकोत्तर (एमए) के अन्तिम परीक्षा आब दू घण्टाक मात्र लेत से निर्णय भेल अछि । नेपालमे कोरोना भाइरस (कोभिड–१९) क सङ्क्रमण कायम रह’ धरि स्नातकोत्तर तहमे समय घटेबाक निर्णय विश्वविद्यालय कएने अछि । स्नातकोत्तर तहमे चारि घण्टाक परीक्षा लेबाक चारि दशक अभ्यासकेँ परिवर्तन करैत विश्वविद्यालय परीक्षाकेँ आब दू घण्टामे सीमित करबाक निर्णय कएने अछि।

Ad

व्यवस्थापन सङ्कायक डीन प्रा.डा. डिल्लीराज शर्मा विश्वविद्यालयक कार्यकारी परिषद् कोरोना सङ्क्रमण अवधिमे परीक्षाक प्रावधान परिवर्तन कर’ सकबाक अधिकार देलाक चोटहि कार्यान्वयन शुरू करबाक जानकारी देने छथि। प्राज्ञिक परिषदसँ पारित कक’ कार्यान्वयन कर’ लागल अछि । मङ्सिर मासमे सञ्चालन हुअवला स्नातकोत्तर तहक परीक्षासँ ई प्रावधान कार्यान्वयनमे आओत।

डीन शर्मा सङ्क्रमणक जोखिम कायम रहलाक कारण विद्यार्थीसभकेँ लगातार चारि घण्टा परीक्षा हलमे राखलासँ सङ्क्रमण उच्च हुअ सकैत अछि एकरा दू घण्टामे सीमित कएल जेबाक जानकारी देने छथि । विद्यार्थीकेँ पानि पिबाक, शौचालय, परीक्षाक व्यवस्थापनमे खटल जनशक्ति लगायतसभ पक्षक विचार करैत परीक्षा दूए घण्टामे सीमित राख’ पड़बाक उपयुक्त होएत से हुनक कहब अछि।

राजधानीक पब्लिक युथ क्याम्पसक प्रमुख बलराम थापा अन्तर्राष्ट्रिय मान्यता अनुसार स्नातकोत्तर तहमे चारि घण्टाक परीक्षा लैत रहल बातक उल्लेख करैत विशेष अवस्थाक लेल मात्र समय कम हुअ पड़त बतेलथि।

स्नातकक डेढ़ घण्टा

एकर संगहि आब स्नातक तहक परीक्षा डेढ घण्टा मात्र सञ्चालन होएत। विगतमे तीन घण्टा स्नातक तहक परीक्षा सञ्चालन होइत रहल छल। आब कोरोना सङ्क्रमण अवधिभरि परीक्षाक आधा समय घटाओल गेल अछि। विद्यार्थीकेँ कक्षा १२ क वार्षिक परीक्षामे सेहो समय घटेलाक कारण विश्वविद्यालय ई निर्णय कएलक से जनाओल गेल अछि । : गोरखापत्र अनलाइन

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : Vidyanand.bedardi96@gmail.com

Related Articles

Leave a Reply