मिथिला कला, साहित्य, संस्कृति केर परिदृश्यमे आरम्भहिसँ समृद्ध क्षेत्र रहल अछि आ एहिठामक प्रतिभा दुनियांक सभ क्षेत्र आ विधामे उड़ान भरैत रहलाह अछि । आउ एकटा एहने प्रतिभाक त्रिदीप कुमार [Trideep Kumar] क गप्प करी ।
त्रिदीप कुमार : सिनेमा
भारतीय सिनेमा संसारमे मिथिलाक सहभागिता आरम्भहिसँ रहल अछि । ओना तँ विद्यापति नामक हिन्दी फिल्मसँ वालीवुडमे मिथिलाक उपस्थिति पछिला सदीक तेसरे दशकमे पूर्ण भ’ गेल छल, मुदा कोनो मैथिल व्यक्तित्वकेँ रजतपटल पर नायक बनबाक संजोग छठम दशकक आरम्भेमे भ’ गेल छल। ओ अभिनेता छलाह सुदर्शन व्यक्तित्वक स्वामी त्रिदीप कुमार , जे 1962 मे दुलाल गुहा’क निर्देशनमे बनल ‘अपराजिता‘सँ अप्पन नायकीय पारी आरम्भ कयने रहथि । ओना ओतय सहायक निर्देशकक रूपमे हुनक सक्रियता पाँच वर्ष पहिनइँंसँ छलनि ।
ओ प्रसाद प्रोडक्शन’क दर्जनों फिल्मक सहायक निर्देशकक रूपमे काज कयलनि, जाहिमे छोटी बहन, ससुराल, बेटी-बेटे, हमराही, गुनाहों की दुनियां आदि प्रमुख अछि । नायक रूपमे त्रिदीप कुमार अभिनीत फिल्म ‘विद्यार्थी’ हिट रहल छल ।1966मे प्रदर्शित एहि फिल्मक नायिका छलीह सुरेखा ।
त्रिदीप कुमार : ममता गाबय गीत
मैथिलीमे पहिल बेर आरम्भ भेल फिल्म ‘ममता गाबय गीत’क नायकक भूमिकामे हिनके उपस्थिति रहनि, मुदा दुर्भाग्यवश फिल्मक निर्माण आ प्रदर्शनमे करीब दूइ दशकक देरीसँ नइँएं फिल्मम सफल भ’ सकल आ नइँंए ई पहिल फिल्म रहि सकल मैथिलीक, मुदा त्रिदीप कुमार एहि महत्वपूर्ण सिनेमाक नायक रूपमे सदिखन चर्चामे रहलाह ।
एकटा भोजपुरी फिल्म ‘सोलहो सिंगार करे दुलहिनिया‘मे सेहो हीरो’क रूपमे उपस्थिति दर्ज कयनिहार मिथिलाक सपूत त्रिदीप ससुराल, बेटी बेटे, गुनाहों की दुनिया आदिमे सेहो छोट, मुदा सशक्त भूमिका सभकेँ जीवन्त कयलनि ।
त्रिदीप कुमार : हिन्दी फिल्ममे
नितीन बोस निर्देशित देश के दुश्मन, अनजान राहें, राजू मेरा नाम आदिमे केन्द्रीय भूमिका कयनिहार त्रिदीप कुमार बतौर निर्माता ‘श्याम तेरे कितने नाम’क निर्माण कयलनि, जाहिमे सचिन आ सारिका मुख्य भूमिकामे रहथि । अप्पन माटिसँ सिनेह राखयवला ई व्यक्तित्व दूरदर्शन लेल तेरह कड़ी’क हिन्दी धारावाहिक ‘विद्यापति‘क निर्देशन सेहो कयलनि, जाहिमे अरूण गोविल संग रेणुका शहाणे मुख्य भूमिका कयने रहथि, तँ प्रसिद्ध साहित्यकार विभूति आनन्द विद्यापतिक गीत सभक भाषान्तरण । एहि तरहेँ देखल जाय तँ वालीवुडक परिदृश्यमे त्रिदीप कुमार बहुआयामी व्यक्तित्व रूपमे परिगणित छलाह ।
हुनक नजदीकी लोक सभ कहैत छथि जे ओ ईमानदार आ चमचागीरीसँ दूर रहयवला तुनकमिजाजी स्वभावक लोक छलाह आ तेँ वालीवुडमे हुनक प्रतिभाकेँ दबाओल जयबाक काज भेल । तैयो त्रिदीप कुमारी अपन प्रतिभाक बलेँ वालीवुडक परिदृश्यमे अपन परिचिति तँ स्थापित कइए लेने छलाह ।
त्रिदीप कुमार : परिवार
आरम्भिक कालमे अभिनयक उड़ान भरयवला मिथिलाक एहि सपूत त्रिदीप कुमार‘क जन्म ७ अप्रैल १९३६ ( किछु लोक १९३३ सेहो कहलनि)केँ पूर्वी चम्पारण जिलाक सुगौली प्रखण्डन्तर्गत सुगाँव नामक गाममे भेल रहनि । पिता धरणीकान्त झा आ माताक नाम रहनि देवकी देवी आ त्रिदीप’क मूलनाम भवनाथ झा छलनि। बेतियाक किला मोहल्ला स्थित अपन घरमे रहि मिशनरी स्कूलमे शिक्षा प्राप्त करैत आगू उच्च शिक्षा लेलनि आ सिनेमाइ आकर्षणसँ मुम्बई विदा भ’ गेलाह ।
सुदर्शन व्यक्तित्व आ प्रतिभाशाली हयबाक कारणेँ हुनका मुम्बईमे बेसी संघर्ष नइँ करय पड़लनि । हिनक विवाह मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी अंचलमे त्योंथा’क मंजू झासँ भेल छलनि । दुनू पुत्र प्रणव आ कौशल संग सुपुत्री तुलिकाकेँ नीक शिक्षा आ संस्कार देलनि । पुत्रीक विवाह प्रसिद्ध राजनेता आ पूर्व केन्द्रीय रेलमंत्री ललित नारायण मिश्र‘क पुत्र विकास मिश्रासँ छनि, तँ दुनू पुत्र सम्प्रति यूएसएमे प्रवास पर ।
सम्बन्धमे त्रिदीप कुमार‘क सार आ साहित्यप्रेमी शुभेषचन्द्र झा हुनका स्मरण करैत कतेको संस्मरण सभ सुनबैत छथि, तहिना सुगाँव निवासी हुनक भातिज रवीन्द्रनाथ झा सेहो हुनक प्रतिभासम्पन्न होयबाक खिस्सा सभ सुनबैत भावुक भ’ जाइत छथि । वालीवुडक देहरी पर दस्तक देनिहार एहि पहिल मैथिल नायक’क देहावसान २८ मार्च २०१४ केँ भ’ गेलनि ।
अन्तमे
आब ओ सशरीर एहि दुनियामे नइँ छथि, मुदा फिल्मी दुनियांक पटल पर हुनका एखनहुँ देखल जा रहल अछि आ सदिखन एहि माध्यमे ओ जीबैत रहताह । निश्चित रूपसँ हुनक उपलब्धि मिथिलाक लेल ऐतिहासिक रहल अछि । श्रद्धासुमन माटिक एहि सपूतकेँ ।