News

जतऽ छी ओतहिसँ परीक्षा

त्रिवि विद्यार्थी जत’ छथि ओतहिसँ परीक्षा लेबाक व्यवस्था मिलेलक, एनाक’ छानलक सहजगम्य आ निकटस्थ केन्द्र ।

Ad

त्रिभुवन विश्वविद्यालय देशभरि होम सेन्टरसँ परीक्षा सञ्चालन करबाक नीति अनने अछि । अहाँ अखनक परिस्थितीमे जत’ छी ओतहिसँ परीक्षा देबाक व्यवस्था त्रिवि कर’ लागल अछि । एकरा लेल फारम भरबाक तरिका सार्वजनिक कएने अछि।

छठि लगले परीक्षा सञ्चालनक लेल त्रिवि ई तैयारी कएने अछि । अखन तत्कालक लेल चारि बर्षवला (B.B.S.) बीबीएस, (B.ED.) बीएड आ (B..SC.) बीएस्सीक लेल ई सेवा उपलब्ध अछि। एहने अवस्था जँ कायम रहत तँ अधिकांश संकाय आ तहक लेल इहए विधि अपनाब’ त्रिवि जनेने अछि । अपनाकेँ नजदिक पड़’ वला वा अपना सहज होएवला सेन्टर छान’ लेल एना करू । त्रिविक https://tuexam.edu.np/ वबसाईटमे जाउ।सहजगम्य आ निकटस्थ पड़’ वला सेन्टर छानू कहिते तर हाथक आंगुरक चित्रमे दाबु । एत’ तह छानू आ रजिष्ट्रेशन नम्बर भरू ।

तकरा बाद Search Deails मे दाबु । तकरा बाद एहन फारम आएत । तकरा बाद फारम भरू। फारममे अहाँ अखन जत’ छी ओतहिसँ परीक्षा देब’ जोगर केन्द्र छनोट क’ पाबि सकैत छी ध्यानपूर्वक देखल जाउ। एत’ सहजगम्य आ निकटस्थ सेन्टर छान’ लेल तरिका समेत अपलोड कएल गेल अछि।

ई जानकारी सम्पूर्ण विद्यार्थीमे पहुँचए तइँ शेयर अवश्य करी ।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles

Leave a Reply