News

चलचित्र चिट्ठीक पहिल गीत “टुटेको तारा” सार्वजनिक

माधव राज खरेलक लेखन आ निर्देशन रहल उक्त चलचित्रमे पार्श्व गायक शिव परियारक स्वर, डा. कृष्णहरि बरालक शब्द रहल अछि त उक्त गीतमे सञ्चारकर्मी, गायक तथा सङ्गीतकार सरोज कोईराला धुन भरने छथि गीत ओएस्आर डिजिटल चैंनलसँ सार्वजनिक भेल अछि।

Ad

कमेडी जनारामे बनल चिट्ठीक केन्द्रिय भूमिकामे संजीत भण्डारी, खड्ग बहादुर पुन मगर “खबपु”, गोपाल ढकाल“छन्दे”, नवराज थापा, मुस्कान लामा, कञ्चन चालिसे, प्रवण भुषाल लगायत कलाकारसभक अभिनय रहल अछि।

चलचित्रकेँ जीवन पराजुली आ राजन खरेल खिचने छथि त सम्पादन माधव खरेल आ अच्यूत बजगाई कएने छथि। कलर संयोजक तथा भिएफ्एक्स समिर मिँया, गीतक मिक्सिङ तथा मिक्सिङ एवम् चलचित्रक ब्याकग्राउण्ड स्कोरिङ पुस्कर खत्री कएने छथि। मनोज परियार चलचित्रक साउण्ड मिक्सिङ कएने छथि त ५.१ साउण्ड मिक्सिङ अमित श्रेष्ठ, श्रृंगार नरेश खरेल, द्वन्द निर्देशन किरण दहाल कएने छथि। तहिना अमृत चापागाई पोष्टर डिजाइनर आ साहिल खान पब्लिसिटी डिजानर रहल छथि। चलचित्रक सहायक निर्माताक रुपमे अनिता कुँवर, समिर खान आ कृष्णादेबी आचार्य रहल छथि।

एरा प्रोडक्सनक ब्यानरमे बनल चलचित्र चिट्ठीकेँ सञ्चारकर्मी कमला जोशी निर्माण कएने छथि।

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles