प्रदेश २ मे दुटा विश्वविद्यालय स्थापना हुअ जा रहल

प्रदेश २ सरकार सप्तरीके राजविराजमे कृषि विश्वविद्यालय आ पर्साके वीरगन्जमे विज्ञान प्रविधि विश्वविद्यालय तत्काल स्थापना करऽ कए तैयारी कएने अछि । अइसँ पहिने दू आर्थिक वर्षमे नीति तथा कार्यक्रममे मात्र पड़ैत आएल दुनू विश्वविद्यालयके काज इहए माससँ शुरु करबाक तैयारी प्रदेश सरकारके अछि। प्रदेशके आर्थिक मामिलामन्त्री शैलेन्द्रप्रसाद साह अध्यादेश लाबिकऽ दुनू विश्वविद्यालयके लेल बजेट व्यवस्थित करऽ लागल जानकारी देने छथि । ‘एक/दु दिन भितर तत्काल २५/२५ करोड पाय देल जएत,’ मन्त्री साह कहलनि, ‘इहए माससँ विश्वविद्यालयके तात्कालीन पूर्वाधारक व्यवस्थापन कएल जएत ।’ दुनू विश्वविद्यालयमे आबऽवला कात्तिकसँ पढाइ शुरू करबाक तैयारी प्रदेश सरकारके रहल अछि।
राजविराजस्थित महेन्द्र विन्देश्वरी बहुमुखी क्याम्पसमे कृषि विश्वविद्यालय सञ्चालन करबाक तैयारी कएल गेल आ रसेरस पूर्वाधारसब जोड़ाइत जएत ओ जनेलनि। ‘आब निर्वाहमुखी नइँ भऽ व्यावसायिक कृषिकेँ आगू बढाबऽ सकलासँ मात्र कृषि क्षेत्रक विकास हुअ सकत,’ मन्त्री साह कहलनि, ‘कृषि प्राविधिकके पढाइ संगहि अनुसन्धानके लेल कृषि विश्वविद्यालय फलदायी हएत ।’
तहिना, प्रदेश सरकारद्वारा चालु कएल गेल आर्थिक वर्षसँ एक निर्वाचन क्षेत्र ५ किलोमिटर कारीपत्र सडक निर्माणक कार्यकेँ प्राथमिकताक सङ्ग आगू बढाएब आर्थिक मन्त्री साहके योजना रहल अछि । बहुवर्षीय योजनामे राखिकऽ अइ वर्षसँ एक निर्वाचन क्षेत्र ५ किलोमिटर पक्की सड़क निर्माण काजके टेन्डर शुरू करब साह जनेलनि ।
ओ प्रदेशक गौरवयोग्य आयोजनासबहक काजकेँ द्रुत गतिमे आगू बढाबऽ प्रदेश सरकार आवश्यक डेगसब उठाएब कहैत मधेश स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानमे जनशक्ति तथा आवश्यक पूर्वाधार व्यवस्थित हएत जनेलनि। प्रदेश सरकारसँ नागरिककेँ नीक अपेक्षा रहल कहैत मन्त्री साह वित्तीय अनुशासन कायम करब अखनके चुनौती रहल अछि बतेलनि । ‘सामान्य परिस्थितिमे बनल सरकार नइँ अछि, आन्दोलनके उपलब्धिबाद सरकारक निर्माण भेल अछि ’ साह कहलनि।
* श्रोत : अवधेश झा, कान्तिपुर