Entertainment

सुप्रसिद्ध पार्श्व गायक उदितनारायण झाक स्वरमे नव मिथिला वर्णन गीत भेल रिलीज

Ad

ओना त मिथिलाक रहनिहार आ अप्पन मखमली आवाजक जादूसँ वालीवुड सङ्गीतपर दशकोंसँ राज कर’ वला सुप्रसिद्ध पार्श्वगायक उदितनारायण झा लगभग चालीस भाषामे निरन्तर गायनक संगहि मातृभाषा मैथिलीमे सेहो दर्जनों गीत गाबि चुकल छथि, जे चर्चित आ प्रशंसित रहल अछि।

चैत्त कबड्डी आब’ दे, मिथिला के माटी छी माथा मे साटि ले, सुनू मिथिलाके बात, आदि कतेको मिथिला वर्णन सेहो हिनक आवाजमे आबि प्रसिद्ध भ’ चुकल अछि । मुदा अइ खेपमे मिथिलाक सुगन्ध दूरधरि पसारबाक उद्देश्यसँ हिन्दी भाषामे एकटा मिथिला वर्णन गएलनि, जे तीन दिन पहिने यूट्यूबक उदितनारायणक ऑफिसियल चैनलपर रिलीज भेल अछि।

हरिश्चन्द्र दासद्वारा लिखल ई गीत सोशल मिडियापर चर्चित भ’ रहल अछि । गीतक बोल अछि “ये मिथिला प्रदेश यहीँ हैं ये मिथिला प्रदेश ! सुख-दुख में जो थे साथ प्रजा के, ऐसे जनक नरेश “… मैथिल पुनर्जागरण प्रकाशसँ गप्प करैत पार्श्वगायक उदितनारायण कहलनि जे अइ गीतक माध्यमसँ मिथिलाक वैशिष्ट्यकेँ सम्पूर्ण देशक लोक जानि सकत। यूट्यूबपर सार्वजनिक अइ गीतकेँ एक बेर अवश्य सुनल जएबाक चाही।

• श्रोत : मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles