विवाह-पञ्चमी महोत्सवकेँ व्यवस्थित बनएबाक लेल मधेस प्रदेश सरकारद्वारा समिति गठन

रासस
इएह अगहन २१ गते आयोजन होबए जा रहल ‘रामजानकी विवाह महोत्सवकेँ भव्य, व्यवस्थित ओ प्रभावकारी बनएबाक लेल आवश्यक तयारीक विवरण तयार करबाक लेल मधेश प्रदेश सरकारक मन्त्रिपरिषद बैठकद्वारा जनकपुरधाममे शिक्षा तथा सँस्कृति मन्त्री रानी शर्माक संयोजकत्वमे पाँच सदस्यीय समितिक गठन कएल गेल अछि।
त्रेतायुगमे अयोध्या राज्यक नरेश दशरथक जेष्ठ पुत्र राजकुमार रामचन्द्र आ मिथिला राज्य नरेश राजर्षि जनकक पुत्री जानकी बीच भेल विवाहक स्मरणमे जनकपुरधाममे अगहन शुक्ल पञ्चमीक दिन रामजानकी विवाहोत्सव मनाओल जाइछ।
उक्त विवाह महोत्सवक अवसरमे जनकपुरधाममे सांगोपांग एक हप्ताधरि मिथिलाक वैवाहिक परम्परा सदृश्य प्रतिकात्मक राजकुमार रामकेँ ओ राजकुमारी जानकीक वैवाहिक विधि-विधानसब पुरा कएल जाइछ। नगर दर्शनसँ आरम्भ होबएबला विवाह महोत्सवक क्रममे नगर दर्शन, फुलबारी परिचय, धनुषयज्ञ, तिलकोत्सव, मटकोर, विवाह ओ विदागरी लगायत प्रमुख विधि-व्यवहारसब पुरा कएल जाइछ।
बेरसपति दिन बइसल प्रदेश मन्त्रिपरिषदक बैठकमे महोत्सव अन्तर्गत कएल जायबला कार्यक्रमसब, आयोध्यासँ आगमन भेल बरीयातीसभक लेल वासस्थान, खान-पिनक व्यवस्था, दर्शन करबाक व्यवस्था करत। महोत्सव ओ मेला देखबाक लेल आएल श्रद्धालुभक्तजन तथा साधुसन्तसभक लेल आवश्यक व्यवस्थाक विषयमे आवश्यक काजसभक विषयमे सरकारकेँ प्रतिवेदन देबाक लेल गठन कएल गेल ।
उक्त समितिमे स्वास्थ्य तथा जनसँख्या मन्त्री शत्रुधनप्रसाद सिँह, खेलकुद तथा समाजकल्याण मन्त्री प्रमोद कुमार जयसवाल, ऊर्जा, सिँचाइ तथा खानेपानी मन्त्री शेषनारायण यादव, उद्योग तथा वाणिज्य तथा पर्यटन मन्त्री सकिल मियाँ लगायतक उपस्थिति छल।
विवाह-महोत्सवममे सहभागी होएबाक लेल देशविदेशसँ लाखो श्रद्धालु-भक्तजन तथा साधुसन्त जनकपुरधाम अबैत छथि। प्रदेश सरकार द्वारा गठित समिति विवाह महोत्सवकेँ सहज ओ सु-व्यवस्थित बनएबाक लेल आवास, भोजन, पेयजल, शौचालय, विद्युत, स्वास्थ्यसेवा, यातायात, सुरक्षा लगायतक विषयमे कएल जायबला काजक विवरण तयार क क देत।