सिरहा जिलाके एक वडा अध्यक्ष,कार्यालयमे सुतल : फोटो भाइरल

नेकपा पार्टीसँ निर्वाचित सिरहा जिलाक नवराजपुर गाउँपालिका वाड नं.१ के वडा अध्यक्ष गाउँपालिका ऑफिसमे सुतिक’ थकान मेटबैत पकड़ाएल अछि।
नवराजपुर गाउँपालिका वाड नं.१ के गाउँपालिका विकासक लेल चिन्तनशील एवं कर्मयोगी युवासभद्वारा सञ्चालित फेसबुक आइडी गाउँपालिका नवराजपुरसँ लिखैत छथि,”
हमरासभक नवराजपुर गाउँपालिकामे एहन जनप्रतिनिधि व्यक्तिसभ अछि जे हमसभ चुपचाप देखि रहल छी। ई सभसँ बढ़का गलती अछि हमरासभक। प्रतिनिधसभ जेना वडा अध्यक्ष आ वडा सदस्यसभ गाउँपालिकामे सुत’बला काज करैत छथि आ गाउँ पालिकामे एहेन प्रकारके जनप्रतिनिधिके कारबाही होबाक चाही। सुतबाक कार्यसँ कि संकेत जाइत अछि।
कि इहए अछि राष्ट्रसेवा,जनतासेवा ? इहए अछि जनतासभक भोटक प्रतिफल ? ई प्रवृत्ति कि संदेश द’ रहल अछि आब’बला पिढीके,जनप्रतिनिधिके ? आगामी दिनसभमे एहन जन प्रतिनिधिसभके बहिष्कार कर’ पड़त। एहन प्रकारक घटना हमरासभक गाउँपालिकाके नइँ हेबाक चाही। प्रतिनिधिसभक जिम्मेवारी इहए छीयै की कार्यालयमे सुतब ? जनता जागु, वडा अध्यक्ष सुति गेलथि। सरकार निकमा भ’ चुकल अछि”, कहैत गाउँपालिकाबासीके जगबाक लेल आहवान कएलक।
* श्रोत : गाउँपालिका नवराजपुर,फेसबुक एकाउन्ट