News

‘Wiki Loves Folklore 2023’ अन्तर्राष्ट्रीय फोटोग्राफी कनटेस्ट भेल शुरू

Wiki Loves Folklore (विकी लव्स फोकलोर) दुनियाक विभिन्न क्षेत्रके लोक संस्कृतिक दस्तावेजीकरण करबाक लेल विकिमीडिया कॉमन्सपर प्रतिवर्ष आयोजित एक अन्तर्राष्ट्रीय फोटोग्राफी कनटेस्ट प्रतियोगिता रहल अछि।

Ad

■ उद्येश्य : अन्तर्राष्ट्रीय फोटोग्राफी कनटेस्ट

लोक संस्कृतिक विषयके सङ्ग विकी लव्स फोकलोर 2022 क निरन्तरताक उद्येश्यसँ विकी लव्स फोकलोर 2023 भ’ रहल अछि।अइ परियोजनाक परिकल्पना 2018 मे भेल छल। विकी लव्स लव 2019 सँ समारोह आ प्रेमक उत्सवक विषयणे शुरू भेल छल।

‘मिथिला संस्कृति’ के फोटो पठेबाक लेल ‘I Love Mithila‘ क आग्रह

■ मापदण्ड : अन्तर्राष्ट्रीय फोटोग्राफी कनटेस्ट

फोटोग्राफी प्रतियोगिता विभिन्न क्षेत्रक लोक संस्कृतिपर केन्द्रित रहल अछि जेना लोक उत्सव, लोक नृत्य, लोक सङ्गीत, लोक गतिविधि, लोक खेल, लोक व्यञ्जन, लोक परिधान, लोकगीत आओर परम्परा, गाथागीत सहित, लेकिन एतै धरि सीमित नइ रहल अछि। लोककथा, परीक कहानी, किंवदंति, पारम्परिक गीत आओर नृत्य, लोक नाटक, खेल, मौसमी कार्यक्रम, कैलेंडर प्रथा, लोक कला, लोक धर्म, पौराणिक कथासभ आदि।

थीम लोक-साहित्य उपश्रेणी देशके अनुसार लोक संस्कृति, लोक कला, चीनी भाग्य बतेनाइ, लोक नृत्य, यूरोप, लोक उत्सव, लोकगीत, लोक खेल, गवरी, लोक समूह, लोक जादू, लोक संग्रहालय, लोक सङ्गीत, नवलिंग, लोक धर्म, पारम्परिक सङ्गीत, पारम्परिक गीत , लोक कुश्ती।

■ पुरस्कार  : अन्तर्राष्ट्रीय फोटोग्राफी कनटेस्ट

– प्रथम पुरस्कार : 500 USD
– द्वितीय पुरस्कार: 400 USD
– तृतीय पुरस्कार: 300 USD
– शीर्ष १० सांत्वना पुरस्कार : 40 USD
– प्रत्येक सर्वश्रेष्ठ भिडियो पुरस्कार आओर सर्वश्रेष्ठ ऑडियो पुरस्कार : 150 – 150 USD
• फोटोक लेल शीर्ष अपलोडर पुरस्कार :
– प्रथम पुरस्कार : 100 USD
– द्वितीय पुरस्कार: 50 USD

विकी लोकगीत पोस्टकार्डक शीर्ष 100 अपलोडरकेँ छानत। स्थानीय आयोजकों प्रमाणपत्र और पोस्टकार्ड देल जाएत। (अस्वीकरण : उपहार कार्ड या वाउचर प्रारूपमे वितरित कएल जाएवाला पुरस्कार।)

■ समय रेखा :

WLF 2023 क समयरेखा एना रहल अछि :-
• शुरूआत : फरवरी 1 – 31 मार्च, 2023

• सबमिशनक लेल प्रारम्भ करु : 1 फरवरी, 2023 00:01 (UTC)
• अन्तिम समय सीमा : 31 मार्च, 2023 23:59 (UTC)
• परिणाम घोषणा : परिणाम घोषणा परिवर्तन महामारीकेँ मध्यर नजरि करैत परिस्थिति अनुसार कएल जाएत।

■ केहन फोटोग्राफी छाँटल जाएत ?

•  आउट ऑफ कॉमन्स प्रोजेक्ट स्कोप
• जइँमे XIF ​​जानकारीक अभाव होए।
• जे अत्यधिक संसाधित और डिजिटल रूपसँ परिवर्तित रहत।
• अश्लील और अस्पष्ट चित्र।
• कॉपीराइट मुद्दा आदिके कारण।

■ आइ लभ मिथिलाक आग्रह  : अन्तर्राष्ट्रीय फोटोग्राफी कनटेस्ट

मैथिलीक सक्रिय अनलाइन सामाचार आ साहित्यिक Ilovemithila.com अपनेँ सम्पूर्ण फोटोग्राफीमे चाँखि राख’ वला मैथिली भाषीकेँ आग्रह करैत अछि जेँ अपन मिथिला संस्कृतिसँ जुड़ल अपन खिँचल फोटोसभ अइ प्रतियोगिताक लेल पठाबी।

■ फोटो पठेबाक लेल अइ Link पर क्लीक करी –

https://commons.wikimedia.org/wiki/Special:UploadWizard?campaign=wlf_2023

■ विगतके प्रतियोगितामे विजेतासभक किछु फोटोसब :-

‘Wiki Loves Folklore 2022 / 2021 / 2020 / 2019

image Source: Wikipedia Authors.

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : Vidyanand.bedardi96@gmail.com

Related Articles