ArticlesNews

नेपाली युवा झा संयुक्त राष्ट्रसंघक विश्व खाद्य मञ्च २०२५ मे सहभागी

काठमाण्डू, २६ आसिन
आइ लभ मिथिला ।

नेपालक युवा आशीर्वाद राज झाकेँ संयुक्त राष्ट्रसंघक खाद्य तथा कृषि संगठन (FFO) अन्तर्गत आयोजित होब’ वला विश्व खाद्य मञ्च (WFF) २०२५ मे सहभागी होबऽ लेल नेपालसँ आधिकारिक निमन्त्रणा प्राप्त भेल अछि।

काठमाण्डू वन विज्ञान कलेजक स्नातक तहक छात्र झा अक्टोबर १० सँ १८, २०२५ धरि इटलीक रोम स्थित FFO मुख्यालयमे आयोजित होब’ वला ई कार्यक्रममे नेपालसँ एकल सहभागिता जनाओत।

अइसँ पहिने, आशीर्वादक नेतृत्व वला “इको ग्रब” समूह नेदरल्याण्ड्समे आयोजित अन्तर्राष्ट्रीय प्रतियोगितामे ‘कारी सिपाही माछी’ (Black Soldier Flie) पर आधारित नवप्रवर्तनशील समाधान प्रस्तुत करैत दोसर स्थान प्राप्त कएने छल। ई अनुसन्धान फोहर व्यवस्थापन आओर पोषक तत्व पुनःप्राप्तिमे महत्त्वपूर्ण योगदान पहुँचाएत से विश्वास कएल गेल अछि।

​विश्व खाद्य मञ्च २०२५ मे झाकेँ अपन परियोजना विश्वव्यापी रूपसँ प्रस्तुत कर’ आओर कार्यान्वयन करबाक अवसर भेटल अछि। ई मञ्च दीर्घकालिन कृषि-खाद्य प्रणाली निर्माण कर’केँ लक्ष्य राखैत अछि।

I Love Mithila

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles