News

मिथिला संस्कृति आ छठि आस्थाक संगम “कोसिया–४” भव्य रूपसँ सम्पन्न

हाल मिथिला एकटा भौगोलिक सीमामे नइँ होइतो एकर भाषा, साहित्य, कला, लोकसंस्कार आ आस्थाक जीवन्त संगम अछि। एहिसँ सांस्कृतिक गौरव आ महान छठि पावनि प्रति सम्मान व्यक्त करबाक उद्देश्यक सङ आयोजित “कोसिया–४ : सांस्कृतिक अनुष्ठान” हनुमाननगरमे भव्य रूपसँ सम्पन्न भेल अछि।

आइ लभ मिथिला मिडियाद्वारा प्रस्तुत तथा कोसिया आयोजन समितिक संयोजनमे हनुमाननगर कंकालिनी नगरपालिका–९ स्थित ऐतिहासिक महासेठ पोखरि क्षेत्रमे कार्यक्रम सम्पन्न कएल गेल अछि। पछिला किछु वर्षसभमे सांस्कृतिक कार्यक्रमक नामपर देखल जा रहल फूहड़पनकेँ चुनौती दैत कोसिया अइ बेर सेहो मैथिली संस्कृति, छठि पर्वक आध्यात्मिकता आ मौलिकताकेँ उजागर कएलक अछि, आयोजक समिति जानकारी देलनि ।

कार्यक्रममे मैथिलीक पारम्परिक नृत्य–गीत, छठिसँ सम्बन्धित सांस्कृतिक प्रस्तुति, गायन, कविता आ नृत्य मार्फत मिथिला सभ्यताक आस्था आ सामाजिक सन्देशकेँ प्रभावकारी रूपसँ प्रस्तुत कएल गेल। “जड़िसँ जुड़ैत, परिवर्तन गढ़ैत” के मूल नाराक सङ आयोजित चारिम संस्करणमे स्थानीय कलाकार, विद्यार्थी तथा युवासभक उल्लेखनीय सहभागिता छल।

समारोहमे आमन्त्रित अतिथि, समाजसेवी, शिक्षाविद् आ सञ्चारकर्मीकेँ मिथिला परम्परा अनुरूप माला, पाग आ सम्मानपत्र प्रदान कएल गेल छल। कार्यक्रमकेँ सम्बोधन करैत हनुमाननगर कंकालिनी नगर प्रमुख बीरेन्द्र माझी मैथिली संस्कृति देशकेँ गौरव रहल उल्लेख करैत एकर संरक्षण तथा सम्वर्द्धनक लेल एहन कार्यक्रम निरन्तर आवश्यक होएबाक बात कहलनि।

दर्शक सब “कोसिया–४” केँ मिथिला क्षेत्रक सांस्कृतिक चेतनाक पुनर्जागरणक रूपमे लेबाक प्रतिक्रिया देलनि। आयोजन समिति हनुमाननगरकेँ सांस्कृतिक राजधानीक रूपमे स्थापित करबाक लक्ष्यक सङ कोसिया श्रृंखला आबैबलादिनमे सेहो निरन्तर आगा बढेबाक प्रतिबद्धता जतौलक।

कार्यक्रममे सहभागी विभिन्न विद्यालयक विद्यार्थीसभकेँ प्रोत्साहन स्वरूप पुरस्कार प्रदान कएल गेल, संयोजक सत्रुघन प्रसाद राय जानकारी देलनि। कार्यक्रम निर्देशक गजेन्द्र गजुरक अनुसार, कोसियाक सब संस्करण बालबालिकाक कला, आत्मविश्वास आ सांस्कृतिक बोध अभिवृद्धिमे महत्वपूर्ण योगदान कएने अछि।

छठ पूजा समिति, हनुमाननगर कंकालिनी–९ तथा हनुमाननगर कंकालिनी नगरपालिकाक सहयोग उल्लेखनीय रहल, आयोजक जनौलक अछि। तहिना, सप्तरी एफएम, म्युजिक मैथिली, संचार सप्तरी, पब्लिक प्रेस, हनुमाननगर सन्देश आ गामघर टिभी माध्यम साझेदारक रूपमे सक्रिय छल।

आयोजक समिति समस्त सहयोगी, अतिथि तथा सहभागी प्रति आभार व्यक्त करैत मिथिला संस्कृति आ छठि पर्वक संरक्षणक लेल एहन रचनात्मक प्रयास निरन्तर जारी रहबाक विश्वास व्यक्त कएलक अछि।

मिथिला क्षेत्रक अन्य नगर तथा गाम सब सेहो एहन पहलसँ प्रेरणा लेबाक आवश्यकता आयोजक बतौलनि। सांस्कृतिक पर्यटन, स्थानीय अर्थतन्त्र आ सामाजिक एकता मजबूत बनेबाक लेल एहन प्रयास सब अत्यन्त महत्वपूर्ण मानल जाइत अछि। अतिथिमे छठि पूजा समितिक अध्यक्ष श्याम बेल्दार, नगरप्रमुख बिरेन्द्र माझी, थनेश्वर प्रसाद साह, सल्लाहकार माधव कुमार, राजेन्द्र मिश्र तथा कार्यक्रमक उद्धोषणमे गजेन्द्र गजुर तथा अबिन्द्र दास, प्रविधिमे सत्यनारायण पंडित सहित सुमन राय, शैलेन्द्र यादव, आनन्द कुमार साह, मुकेश साह, मिलाफ नेपालक सहसचिव राज राय लगायतके व्यक्तिसभक उपस्थित छलथि।

—-

राजेन्द्र मिश्र

संचारकर्मी तथा समसमायिक विषयमे धाराप्रवाह लेखन।
ईहो देखू
Close