
नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल)के दोसर संस्करणके सम्पूर्ण तैयारी पूरा भेल नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) जनौलक अछि ।
पर्सी सोमदिनसँ अगहन २७ गतेधरि होएबला उक्त प्रतियोगिताके सम्पूर्ण तैयारी पूरा भेल क्यानक महासचिव पारस खड्का एत आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे जानकारी देलनि।
प्रतियोगिताक विजेता टोलीकेँ पुरस्कारस्वरुप एक करोड़ १० लाख टका प्रदान कएल जाएत । अइसँ पहिने जनकपुर बोल्ट्स सुदूरपश्चिम रोयल्सकेँ पराजित करैत उपाधि जीतल छल ।
तहिना, प्रतियोगिताके उपविजेता समूह ५१ लाख टका प्राप्त करत तँ तेसर स्थान हासिलके २५ लाख टका तथा चारिमके १५ लाख टका प्राप्त करबाक जानकारी देलनि ।
NPL Season 2 मे विभिन्न आठ फ्रेञ्चाइज समूह सहभागी हएत । उद्घाटन खेल जनकपुर बोल्ट्स आ काठमाण्डू गोर्खाज बीच हएत ।
— रासस




