Articles

पूर्व सिंचाइ मन्त्री यादवद्वारा ‘सप्तरी स्वाभिमान यात्रा’ शुरू

पूर्व सिंचाइ मन्त्री उमेश कुमार यादव आइसँ ‘सप्तरी स्वाभिमान यात्रा’ शुरू कएने छथि।

Ad

सप्तरीक समग्र विकासमे आबि रहल समस्यासभक पहिचान करैत समाधानक लेल सम्पूर्ण पक्षकेँ एके ठाममे अनबाक उद्देश्यक सङ्ग पूर्वमन्त्री यादव उक्त अभियानक शुरूआत कएलनि।

राजविराजस्थित स्वर्गीय गजेन्द्र नारायण सिंह आ साकेतचन्द्र मिश्रक शालिकमे माल्यार्पण क’ सप्तरी स्वाभिमान यात्राक शुरुवात करैत ओ दलिय भावनासँ उपर उठिक’ सप्तरीक समग्र विकास लेल अभियान रहल आ अइ अभियानमे सभक सङ्ग आ सहयोग रहल विश्वास व्यक्त कएलनि। अभियानक क्रममे नेपाल राष्ट्रिय झण्डा ल’ जनताक घर-दुआरि पहुँचब ओ कहलनि।

बलानबिहुल गामपालिकास्थित चन्ही मल्हनियाँसँ अभियानक शुरूवात भेल बात पूर्वमन्त्री यादव बतेलनि। अभियानक क्रममे गामक बुद्धिजिवी, किसान तथा सर्वसाधारणसभक सङ्ग सप्तरीक कृषि, सिंचाइ, पर्यटन लगायतक समस्या सम्बन्धमे मन्थन करब हुनक कहब रहल अछि।

‘अभियानक क्रममे सप्तरीक एकटा पालिकामे कम्तीमे एक सप्ताहधरि रहब, ओत’क स्थानियसङ्ग रहिक’ स्थानीय समस्यासभक पहिचान करब’, पूर्वमन्त्री यादव कहलनि,”स्थानिय स्तरमे देखल समस्यासभक बिषयमे गामक स्थानियबासी तथा स्थानिय सरकारक प्रमुख लगायतसभक सङ्ग अन्तरक्रिया करब ।’ स्थानिय तहेसँ समाधान हुअवला बिषयकेँ स्थानिय तहसँ आ अन्य निकायसँ समाधान हुअवला बिषयकेँ सम्बन्धित निकायधरि पहुँचाएब। पहिल चरणमे सप्तरीक १८ पालिकामे अभियान चलाएब आ ओत’ सँ आएल सुझाओ सलाह अनुसार दोसर चरणक कार्यक्रम निर्धारण करब।”

अइसँ पहिने पूर्वमन्त्री यादव शुक्रदिन सप्तरी स्वाभिमान यात्राक सन्दर्भमे जिलाक बुद्धिजिवी, पेशाकर्मी, राजनीतिक दलक प्रतिनिधि लगायतके सरोकारवालासङ्ग अन्तरक्रिया कएने छलनि।

“जिलाक शिक्षा, स्वास्थ्य, कृषि, सड़क लगायतक क्षेत्रमे व्यापक समस्या देखलाबाद समाधानक लेल सभ पक्षमे एकमत आन’ लेल ई अभियान सञ्चालन कएलौँ”, हुनक कहब रहल अछि।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles