News

Google अनुवादमे जोड़ल गेल ‘मैथिली भाषा’ : मैथिली भाषीमे खूशीक लहरि

मैथिली लगायत २४ नवका भाषा मिलाकऽ १३३ पहुँचल…

Ad

यद्यपी रीयल-टाइम अनुवाद ऐप्स भाषाक बाधाकेँ तोड़ैत अछि, Google आब Google अनुवादमे २४ टा नवका भाषाकेँ जोड़ि रहल अछि जइँसँ दुनियाभरिमे भाषाक संख्या १३३ पहुँचल अछि। नवका २४ भाषा परिवर्धनमेसँ आठ भारतक मूल निवासी रहल अछि।

Google अनुवादक उपयोग वेब ब्राउजरसँ कएल जा सकैत अछि वा उपयोगकर्ता Google Play Store वा Apple App Store सँ ऐप इंस्टॉल कएल जा सकैत अछि। पाठ अनुवादक उपयोग करैत समय, उपयोगकर्ताक भाषा छानबाक होइत अछि जइँमे ओ टाइप क’ रहल रहैत अछि आ जइँ भाषामे ओ अनुवाद चाहैत छथि। उदाहरणक लेल हिंदीसँ अंग्रेजीमे। एक कैमरा विकल्प सेहो अछि जकर उपयोग कोनो छवि कैप्चर करबाक लेल होइत अछि, टेक्स्ट स्कैन करबाक वा गैलरीमे अनुवादक लेल छविक अनबाक लेल कएल जा सकैत अछि। सङ्गहि एक माइक्रोफ़ोन विकल्प अछि जेँ अनुवाद देबाक लेर रीयल-टाइममे सुनि सकैत अछि। अंतिम विकल्प भाषणक प्रतिलेखित कएनाइ आ लगातार अनुवाद कएनाइ अछि। जखन कि ऐप काज करबाक लेला मोबाइल डाटा वा वाइ-फाइक उपयोग करैत अछि, एक भाषा अनुवाद फाइल डॅनलोड क’ कए एकरा ऑफलाइन उपयोग करबाक विकल्प सेहो अछि। उदाहरणक लेल, iPhone पर हिंदी भाषाक फाइल आकार 74.9MB अछि।

लेख दाखिल करैत समय, अनुवाद ऐप या ब्राउजरर कोनो तरहक नवका परिवर्धन नइँ देखेने छल। मुदा, ओ जल्दिएँ एबाक छलै।

रीयल-टाइम अनुवाद अइ बातक प्रमाण देखबैत अछि जे कोनो लोकक जीवनकेँ बेहतर बनेबाकक लेल ज्ञान आ कंप्यूटिंग एक सङ्ग अबैत अछि। पहिनेसँ अधिक लोक Google अनुवाद क उपयोग क’ रहल छथि। भाषाक  एकटा नम्हर नाङरि अछि जेँ आइ वेवपर कम प्रस्तुत कएल जाइत अछि, आओर ओकर अनुवाद करब एक कठिन टेक्निकल समस्या अछि। “एना अइ कारण अछि जेँ कियो अनुवाद मॉडल आमस्तरपर द्विभाषी पाठके सङ्गहि प्रशिक्षित होइत अछि – उदाहरणक लेल, अंग्रेजी आओर स्पेनिश दुनूमे एकहि वाक्यांश। ओना प्रत्येक भाषाक लेल सार्वजनिक रूपसँ उपलब्ध द्विभाषी पाठ पर्याप्त नइँ अछि। एकर कारण मशीन लर्निंगमें प्रगतिक सङ्ग, हमन एक मोनोलिंगुअल दृष्टिकोण विकसित कएलौँ जइँमे मॉडल  कियो भाषाक सीधा अनुवाद देखनै बिना ओकर अनुवाद करना सिखि जाइत अछि। स्थानीय वक्ताक आ संस्थानोंक सङ्ग सहयोग कक’, हमरा बुझाएल जेँ ई अनुवाद उपयोगी हएबाक लेल पर्याप्त गुणवत्ताक छल आ हम एकरा सुधारबामे खटल रहब , ”गूगलके सीईओ सुंदर पिचाई कहलनि।

मैथिली भाषाक सङ्ग सङ्ग कोन-कोन नवका भाषा जोड़ल गेल ?

• भोजपुरी – भारत, नेपाल आ फिजीमे करीब ५ करोड़ लोक प्रयोग करैत अछि।

• मिजो- पूर्वोत्तर भारतमे क करीब 8 लाख 30 हजार लोक प्रयोग करैत अछि।

• असमिया – पूर्वोत्तर भारत

• मैथिली – उत्तरी भारतमे करीब 3.4 करोड़ लोक आ नेपालमे एक लाखसँ बेसी लोक प्रयोग करैत अछि।

• मेइतेइलॉन (मणिपुरी) – पूर्वोत्तर भारतमे करीब दू करोड़ लोक प्रयोग करैत अछि।

• संस्कृत – भारतमे करीब 20 हजार लोक प्रयोग करैत अछि।

• कोंकणी- मध्य भारतमे करीब 20 लाख लोक प्रयोग करैत अछि।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles

Leave a Reply