News

अन्तर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवसपर राजविराजमे गोष्ठी

सप्तरी,राजविराजमे अन्तर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवसक अवसरमे मातृभाषा शिक्षा विषयक गोष्ठी सम्पन्न भेल अछि।

Ad

इन्टेलेक्चुवल फाउन्डेसन नेपालक आयोजना तथा फाउन्डेसनक अध्यक्ष डा. सूर्य प्रसाद यादवक अध्यक्षतामे सम्पन्न कार्यक्रम शिक्षामे मातृभाषाक औचित्य, अवसर आ चुनौती विषयपर आधारित रहल ओहि कार्यक्रममे मातृभाषा संरक्षण करबाक लेल सरकारी कामकाजक भाषा बनाब’ लेल जोड़ देल गेल अछि।

कार्यक्रममे सहभागी विभिन्न क्षेत्रमे रहि मातृभाषा संरक्षणमे योगदान कएनिहार व्यक्तित्वसभ सेहो कार्यक्रममे बजैत वक्तासब राज्यक विभेदकारी नीतिक कारण मातृभाषासभ लोप होइत आबि रहल बतेलथि। ‘एकभाषा एक संस्कृतिक नीति’ नेपालमे बाजल जाएवला विभिन्न भाषाक प्रबर्द्धन हुअ नइँ सकल कहैत वक्तासभ हाल नेपाल सरकार मातृभाषा संरक्षणके लेल लाओल ऐन कानुनके व्यवहारिक रूपमे प्रयोग होए तइँपर जोड़ देलनि।

मातृभाषामे लोकसेवा आयोग लगायतक परिक्षा करेबाक लेल जोड़ दैत ओ सब परिक्षा प्रणालीमे मातृभाषाकेँ मान्यता देलापर मातृभाषा स्वयं स्थापित होएत से तर्क देलनि।

कार्यक्रममे मन्तव्य व्यक्त करैत प्रमुख अतिथि प्राध्यापक डा. रामअवतार यादव सरकार मातृभाषाकेँ संरक्षण करबाक नीति अनने मुदा व्यवहारमे खासे नइँ देखल गेल उल्लेख करैत वक्तासब विद्यालय स्तरमे लागू कएल गेल मातृभाषा शिक्षाकेँ प्रभावकारी बनेबाक राज्य तरफसँ प्रथामिकताक सङ्ग आवश्यक श्रोत, साधन आ जनशक्ति परिचालन करऽ पड़त से आवश्यक्ता रहल बतेलनि।
मातृभाषाक विकासके लेल स्थानीय सरकारक अत्यन्त महत्त्वपूर्ण भूमिका रहल कहैत वक्तासब स्थानीय सरकार मातृभाषाक संरक्षणमे खासे ध्यान नइँ देने बात कहलथि।

कार्यक्रममे पूर्व मन्त्री मातृकाप्रसाद यादव सम्मान पत्र ग्रहण करैत कहलथि मातृभाषप्रति राज्यके दृष्टिकोण खराब रहलाक कारण एकर अपेक्षित विकास होबऽ नइँ सकल बतौलथि। पहिचान आ अधिकारक लेल संघर्षरत राजनीतिक दलसब सत्ता प्राप्तिक बाद मातृभाषाकेँ बिसरैत गेल प्रति असन्तुष्टि व्यक्त करैत स्वयंकेँ मधेशक अगुवा नेता कहाबऽ वला नेतासब पहाड़ी शासक सभक आगू लम्पसार भेल कारनेँ मातृभाषाक विकासमे चुनौती आएल टिप्पणी कएलथि।

इन्टेलेक्चवल फाउण्डेशन नेपाल सप्तरीक अध्यक्ष डा. सूर्यप्रसाद यादवक अध्यक्षता तथा त्रिभुवन विश्वविद्यालयका पुर्व प्राध्यापक एवं भाषाविद्व डा. रामावतार यादवक प्रमुख आतिथ्यमे आयोजित कार्यक्रममे पूर्व निर्वाचन आयुक्त डा. अयोधिप्रसाद यादव, मैथिली साहित्य परिष्दक पूर्व अध्यक्ष देवेन्द्र मिश्र लगायतक वक्तालोकनि मन्तव्य व्यक्त कएने छलनि।

डा. रामावतार यादव

ओहि अवसरमे मैथिली सहितक मातृभाषाक संरक्षणमे योगदान देने मैथिली भाषामे पहिल बेर सपथ ग्रहण कएनिहार पूर्व मन्त्री मातृका प्रसाद यादव आ पूर्वविधायक सुर्यनाथ यादव शुभाषकेँ कदर पत्रद्वारा सम्मान कएल गेल।

राजविराज नगरपालिकाक सभाहलमे आयोजित कार्यक्रममे मधेश प्रदेशक पूर्व शिक्षा तथा संस्कृति मन्त्री एवं सप्तरी २ (ख) सँ निर्वाचित प्रदेशसभा सदस्य महेश प्रसाद यादव, संविधान सभा सदस्य लक्ष्मी चौधरी, मिलाफ नेपालक अध्यक्ष रमीला साह, मधेश प्रज्ञा प्रतिष्ठानक सदस्य दिनेशकुमार यादव, आम सञ्चार प्राधिकरणक अध्यक्ष श्यामसुन्दर यादव, थारु कल्याण कारिणीसभा सप्तरीक अध्यक्ष शिव नारायण थारु, थारुभाषा कला संस्कृति संरक्षण केन्द्रक केन्द्रिय उपाध्यक्ष बुधसेन चौधरी प्राध्यपत्रअभियन्तासभककार लगायतक विभिन्न समुदायक मातृभाषीसभक उपस्थिति रहल छल।

कार्यक्रममे मा.वि बेतहा भवानीपुर सिरहाक प्रधानाध्यापक रामविलास यादव शिक्षामे मातृभाषा, औचित्य, अवसर आ चुनौती विषयक कार्यपत्र प्रस्तुत कएने छलनि। ओहि अवसरमे रोयल सेकेन्डरी स्कुल भारदह बाजारक विद्यार्थीसभद्वारा मातृभाषा मैथिलीमे गीत तथा नृत्य सेहो प्रस्तुत कएल गेल।

अन्तर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवस

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles