News

सङ्गीतक अङ्गनामे उद्यमान चान रूपेशक प्रवेश

मोरा अङ्गनामे उगि गेलै चान  गीति  पून:निर्माण कएल भिडियोद्वारा..

Ad

जनकपूर निवासी क्षमतापूर्ण एवम् उद्यमान युवा गायक रूपेश झाक सुमधुर स्वरमे, चेन याक्खा आ स्वयं रूपेश झाक संगीत संयोजनमे मैथिली भाषाक जनप्रिय लोक शब्द आ संगीत रहल ‘मोरा अङ्गनामे उगि गेलै चान’ पहिल आधिकारीक म्यूजिक भिडियो सार्वजनिक भेल अछि।

https://youtu.be/YECBKoo1acM

आब हिनकासँ परिचय कराबैत छी

पैतृक गाम  अधखनी,सीतामढ़ी आ मातृ गाम सोहरबा,महोत्तरी रहल वि. सं. २०५४ मे काठमाण्डूमे जन्म भेल २३ वर्षक रूपेश झा जिनक पिता श्री जितेन्द्र झा सभदिनसँ संगीत प्रेमी रहलाक कारण,कलाकारके उच्च सम्मान दैवला प्रवृति हुनकामे रहलाक कारणे घरमे हाॅरमुनियम,तबला,इत्यादी बाजा रखने छलाह आ मैथिलीक सुप्रसिद्ध गायक हरिशंकर चौधरी,रामा मण्डल  सहित टीमके आमन्त्रित क’ हनुमान जयन्ती सङ्ग पर-पावनिक अवसरपर प्रत्येक वर्ष भजन-किर्तन कार्यक्रमक आयोजन करैत छलाह। क्लास ९ मे पढि रहल समय रूपेश अपन घरमे इहए साङ्गीतिक माहोलसँ सङ्गीतसँ मोहित भ’ प्रेरित भेलथि। स्कूलिङ्ग समयमे ‘हर्लिक्स बिस्कुट’ द्वारा कएल ‘Singing Competition’ मे प्रथम स्थान आनलथि। रूपेश नेनेपनसँ पिताक रेखदेख आ निर्देशनमे महाकवि विद्यापतिक गीत सङ्ग अत्याधिक रूपेँ भजन गबैत छलथि। एस. एल. सी. द’ +2 किष्ट कॅलेज काठमाण्डूसँ केलथि। +2 पढैत Cultural Society, Indian Embassy of Nepal द्वारा पंडित कमलाकान्त आ डाॅ नीपा चौधरी लग सङ्गीत सिखलथि। बैचलर कर’ लेल मुम्बई अएलथि, कमर्स लक’ बैचलर कएलनि आ अखन पंडित मधुसुधन आप्टे लग गन्धर्व,मुम्बईएमे संगीत-शिक्षा ल’ रहल छथि आ मुम्बईएमे ‘म्यूजिक प्रोडुसर’ आ ‘साउन्ड डिजाइनर’ के रूपमे काज क’ रहल छथि संगहि बलिउड प्रसिद्ध म्यूजिक डायरेक्ट शंकर एहसानक गिटारिस्ट भव्य राज सङ्ग काज क’ रहल छथि।

रूपेश पछिल्ला चरणमे मैथिलीक सर्वप्रिय रेडियो कार्यक्रम हेल्लो मिथिला,प्रस्तोता : धीरेन्द्र प्रेमर्षि / रूपा झाद्वारा कएल बातचित्तसँ मैथिली भाषी श्रोतासभक बीच परिचित भेलथि। ओ मैथिली,नेपाली,हिन्दी,भोजपूरी,स्पेनिस, अफरिकॅन,चैनिज लगायतके १५ भाषामे मञ्चिय प्रस्तुति दैत छथि। नेपाल टेलिभिजनक एक ‘टॅक सो’ मे समेत १५ भाषामे गाबि प्रस्तुति एवं अन्तरवार्ता द’ चुकल छथि।

नेपाल नारी समाजक अध्यक्ष गीता कार्कीक शब्दमे,नेपालक चर्चित गायकसभक स्वरमे आ रूपेश झाक सङ्गीत एरेन्जमेन्ट,कम्पोजिसन आ स्वरमे ‘आमाका सपनाहरू’ नेपाली म्यूजिक एलवम, रूपेश झाक संगीत एवं स्वरमे एक हिन्दी म्यूजिक एलवम संगहि किछू मैथिली म्यूजिक भिडियो तैयारीमे समेत रहलक जानकारी ई गीतक गायक रूपेश झा Ilovemithila.com के देने छथि। हमर ई गीतके अत्याधिक सिनेह क’ देब कहैत सम्पूर्ण सङ्गीतप्रेमी श्रोतासभके ओ आग्रह केलथि।

सृजनशीलतासँ श्रृंगारल शब्द आ मौलिक संगीत भेल गीत मात्र गाएब आ अपन स्वर/संगीत कम्पोजिसन आ एरेन्जमेन्टसँ दिनोदिन मैथिली भाषाक सङ्गीतमे स्तरियता द’ अपन पहिचान गढ़बाक दृढ संकल्प रहल गायक रूपेश झा मैथिली भाषाक संगीतमे निसंदेह नव आयाम सिद्ध करैत चलताह। किछू सप्ताह पूर्व मात्र रिलिज कएल ई गीत अखन मैथिली लगायत आन भाषीक बीचमे समेत नव सनसनी अनने अछि। मैथिली लगायत आन भाषाक चर्चित पेज,मैथिली भाषाक टिभी-रेडियो कार्यक्रम आ अग्रज कलाकार एवं संगीत प्रेमी,श्रोतासभद्वारा रूपेश सिनेह बटोरि रहल छथि।

ई गीत अपन उद्येश्यपर हिट हेबे करत से विश्वास दैत आगूक साङ्गीतिक डेग लेल ‘आइ लव मिथिला’ टिमक तरफसँ रूपेश झाके ढेरढाकी सिनेह, शुभकामना आ बधाइ।

● मोरा अङ्गनामे उगि गेलै चान : मैथिली लोक गीत अछि। ई गीतमे प्रेमिका अपन प्रेमी आ प्रेमके चित्रण करैत छथि जखन प्रेमी अङ्गनामे डेग रखैत छथि।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles

Leave a Reply