News

मैथिली भाषाक ‘अर्चनाकृत रामायण’ पुस्तक भेल विमोचन

आइ लभ मिथिला
काठमाण्डू

Ad

फागुन २ गते बुधदिन सरस्वती जयन्तीक अवसरमे बाडेँगाउँ, ललितपुरस्थित मामाघर आश्रममे आयोजित एक कार्यक्रम बीच ‘अर्चनाकृत रामायण’ पुस्तकक विमोचन कएल गेल ।

‘वाल्मीकि रामायण’ आ ‘रामचरितमानस’ रामायणक आधार लक’ अर्चना झाद्वारा अनुवादित रामायण रहल अछि। ई मैथिली गद्यात्मक रामायणमे करिब ६४ हजार शब्द रहल अछि।

एहिमे हिन्दु धर्मक देवता विष्णुक अवतार मानल जाएवला रघुवंशक राजा श्री राम आ लक्ष्मी माताक अवतार सीता माताक गाथा लिखल अछि। एहिमे आठटा अध्यायसभ रहल अछि। सरल मैथिली भाषामे सम्पूर्ण रामायण पढ़ल जा सकैत अछि।

रामायणक मैथिली भाषामे लेखन कार्य पत्रकार एवं साहित्यकार अर्चना झा कएने छथि। मैथिलीक स्थानीय बोली-शैलीमे श्री सीतारामक राज्य चिन्तन, राजनीतिक चिन्तन, समाज चिन्तन, परिवार चिन्तन, मर्यादा पालन तथा सीता माताक गुण, लोकगीत, मिथिला चित्रकला लगायतक आठ काण्डमे साभार कएल गेल अछि। किताबक सम्पादन वरिष्ठ साहित्यकार विनित ठाकुर कएने छथि।

पत्रकार झाद्वारा साभारित ई रामायणक विमोचन पूर्व उप-प्रधानमन्त्री एवं गृहमन्त्री माननीय बिमलेन्द्र निधि कएने छथि। कहलनि,”रामायण संसारक सभसँ पैघ रणनीतिक शास्त्र रहल अछि। मैथिली भाषाक शुद्धा-शुद्धीवला विषय-विवादसँ उपर उठिक’ ई रामायणकेँ पढ़बाक चाही तखने एकशुत्रमे मैथिली बन्हाएत।”

सङ्गहि किताबक समीक्षा करैत राष्ट्रिय समाचार समितिक अध्यक्ष एवं साहित्यकार धर्मेन्द्र झा ‘विह्वल’ कहलनि, ” एहिसँ पहिने मैथिलीमे सम्भवत: ३ गोटे कविश्वर चन्दा झा, बद्रीनारायण, आदि अनुवाद कएने छथि। गद्यमे अनुवादित अर्चनाकृत रामायण मैथिलीक जनबोलीमे लिखल अछि जेँ कि पत्रकारिताक शैली रहल अछि जेँ सामान्य लोक सेहो बुझि सकै छथि। मैथिली भाषाक मजगूती लेल सेहो जोड़ दैत अछि। प्राय: रामायणमे रामक गूण बेसी गाएल जाइत अछि मुदा रामायण सीताक गुणपर बहष शुरू क’ सकत।”

प्रोफेसर एवं साहित्यकार मंचला झा, गायिका एवं संचारकर्मी रूपा झा, विमर्श फाउण्डेश्नक अध्यक्ष विभा झा, आइ लभ मिथिलाक संचालकद्वय विद्यानन्द बेदर्दी, गजेन्द्र गजुर, फिल्मकर्मी पुरनेन्दू झा, संचारकर्मी स्नेहा झा, साहित्यकार विकास वत्सनाभ, विजेता चौधरी आदिक समुपस्थति रहल छल। कार्यक्रममे अञ्जली पटेलक मैथिली प्रस्तुति रहल छल।

आश्रमक अध्यक्ष श्री वालयोगेश्वर विजय कृष्णमूर्ति महाराज मैथिली भाषीसभके बीचमे ई रामायण बेस्स लोकप्रिय होएत कहिक’ जोड़ देलनि।

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles