Jobs in Nepal

UN Traineeship कार्यक्रम लेल विशेष अवसर

सामाजिक रुपमे बन्चितिकरणमे परल समूहक उम्मेदवारसभहक लेल सुवर्ण अवसर

नेपालमे संयुक्त राष्ट्र दिससँ फ्रंटलाइन कन्सल्ट प्राइवेट लिमिटेड। लिमिटेड ई सामाजिक रूपसँ वंचित समूह, लिंग आ यौन अल्पसंख्यक आ विभिन्न विकलांग व्यक्तिसँ आवेदनकेँ आमंत्रित करैत अछि।

Ad

संयुक्त राष्ट्र आ फ्रंटलाइन कंसल्ट प्राइवेट  लिमिटेड ई अभ्यर्थीक चयन करैत काल कोनो चरणमे (आवेदन, साक्षात्कार, प्रशिक्षण आ अन्य) पर कोनो तरहक शुल्क नइँ लैत अछि।

सफल अभ्यर्थी सभकेँ संयुक्त राष्ट्र प्रशिक्षुताक अवधिक लेल नेपालक विद्यमान श्रम नियमक अनुसार न्यूनतम रहन-सहन व्यय (Stipend) आ सामाजिक सुरक्षा सेहो प्रदान कएल जाएत।

ई कार्यक्रम कुल ११ मासक हेत आ कार्यक्रमक लेल चयनित प्रशिक्षुसभक चयन विभिन्न सेवा क्षेत्रक लेल कएल जाएत जस्तैः सामान्य प्रशासन (General Administration), अनुगमन आ मूल्याङ्कन (Monitoring and Evaluation), विपद जोखिम व्यवस्थापन (Disaster Risk Management ), मौसम तथा तथ्यांक सूचना (Climate and Data information), लैङ्गिक समानता आ सामाजिक समावेशीकरण (Gender Equality and Social Inclusion), कार्यक्रम सञ्चालन सहयोग आ तथ्यांक व्यवस्थापन (Program Support and Data Management ), हानिकारक अभ्यास आ युवा (Harmful Practices and Youth), सुशासन, कानुनी शासन आ मानव अधिकार (Governance, Rule of Law and Human Right), सञ्चार ( Communication), परिणाममे आधारित व्यवस्थापन (Result Based Management), रणनीतिक योजना आ ज्ञान व्यवस्थापन (Strategic Planning & Knowledge Management), पोषण (Nutrition), स्वास्थ्य (Health), शिक्षा (Education), मानव संशाधन (Human Resource), अनुसन्धान (Research), वित्त/प्रशासन, बन्दोबस्ती व्यवस्थापन (Finance/Administration and Logistics), पानी, सरसफाई आ स्वच्छता (Water Sanitation & Hygiene), सामाजिक नीति, शासन आ प्रमाण (Social Policy Governance and Evidence), आपूर्ति आ खरिद ( Supply & Procurement ), अनुगमन, समीक्षा आ मूल्याङ्कन (Monitoring Review and Evaluation- MRE) अग्रिम कारबाही (Anticipatory Action – AA), कार्यक्रम उत्थानशील, जलवायु परिवर्तन आ जीविकोपार्जन (Programme Climate Change resilience, livelihood), वित्त आ स्रोत व्यवस्थापन (Finance and Resource Management ), सञ्चालन सहयोग (Operations support ) व्यावहारिक अनुभव भेट सकैत अछि।

योग्य इच्छुक उम्मीदवार निम्नानुसार आवेदन कऽ सकैत छथि:
आवेदनक फॉर्म www.frontline.com.np/untrainee पर जा कऽ ऑनलाइन फॉर्म भरू आ फॉर्मक संग निम्नलिखित आवश्यक दस्तावेज अपलोड करू।

आवेदन देबाक अन्तिम अवधि पुष १५, २०८० सांझ पाँच बजे धरि मात्र

पूरा जानकारी, अइ फोटोमे अछि।

आवेदकक चयनक लेल न्यूनतम मानदंड निम्नानुसार होयत:

• कोनो विषयमे स्नातक डिग्री पूरा कएलक
• बहिष्कृत आ उपेक्षित समूह पिछड़ल जनजाति, दलित, मधेसी, धार्मिक अल्पसंख्यकमे अबैत अछि)
• विकलांग व्यक्ति (कोनो सामाजिक समूहसँ)
• संयुक्त राष्ट्रक मूल मूल्य (व्यावसायिकता, अखंडता आ विविधताक प्रति सम्मान)केँ आत्मसात करैत
• सीखबाक लेल दृढ़तापूर्वक प्रतिबद्ध
• अङ्ग्रेजी आ नेपाली भाषामे मूलभूत संचार कौशल (मौखिक आ लिखित) होयब
• संयुक्त राष्ट्रके 11 महीना के प्रशिक्षण पूरा करबाक प्रतिबद्धता

फ्रंटलाइन कंसल्ट प्राइवेट लिमिटेड।

चौथो तल्ला, ग्राभिटी सेन्टर, अनामनगर- २९, काठमाडौं, नेपाल (सिंहदरबार पूर्वी गेटबाट १०० मिटर उत्तर) पोष्ट बक्स नं.-६०३१, फोन नं. ०१५७०७२७१

आवेदनक संबंधमे बेसी जानकारीक लेल अहाँ 9801898003 सम्पर्क कए सकैत छी।

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles