News

छिन्नमस्ता मन्दिरके महन्थ महाकान्त ठाकुर कएलक सबसँ एहन प्रार्थना…

दशमीके रङ्गमे मिथिला आन बेर आ एहि बेरमे कि कि अन्तर अछि ?

दशमीके सबसँ बेसी भक्तसभके जुटान हएबबला ठाम अछि छिन्नमस्ता सखडेश्वरी भगवती,कंकालिनी भगवती,डाकनेश्वरी भगवती। ilovemithila के टिम हमसब अवस्थाके बुझबाक लेल छिन्नमस्ता मन्दिरमे गेल छलहुँ। मन्दिरके बहार मूल प्रवेशद्वारपर एकटा नम्हर ताला लागल देखाइत अछि। आनदिन जकाँ समान्य अवस्थामे दर्शणार्थीके जतेक भीड़ देखाइ छल तकर बराबर किछू नै छै।

Ad

घण्टीके आवाज कानमे पडैत लोकसभ किछू किछू गनल गुथल देखाइत छै। मन्दिरके पोखरि हाल बनिए रहल छल। मिस्त्रीसभ अपन काममे व्यस्त ।
छिन्नमस्ता मन्दिरके पीठाधीश महाकान्त ठाकुर सबकेँ आग्रह कएलनि ” दशमीमे एहिबेर मैयाकेँ घरेसँ सुमिरण करु, माता ओहू ठामसँ वेदना सदैव सुनै छथिन।सरकारके नियमपालन सबकियो करी” प्रदेश सरकार हाल कोरोना उपचारकेँ वातावरण सहज बना रहल देखाइत अछि।

एहि सङ्ग छिन्नमस्ता गा.पा.२ मे बनल मूर्ति ( बरही बिरपुर )

    

गजेन्द्र गजुर

Gajendra Gajur [गजेन्द्र गजुर] is News Editor of Ilovemithila.com . Maithili Language Activist. He is Also Known for His Poetry. One of the Founder of Music Maithili App. गजेन्द्र गजुर एहि वेबसाइटक समाचार संयोजक छथि। कवि सेहो छथि। Email- [email protected],

Related Articles

Leave a Reply