Ghazal

विषधर नैनसँ प्रेमक पाठ…शम्भु श्री गजल

6 Maithili Love Ghazal of Shambhu Shree

शम्भु श्री (Shambhu Shree) मैथिली गजल (Maithili Ghazal) लेल बेसी जानल जाइत छथि। प्रेमील गजल लिखब हिनक मूल विशेषता छी। गजलकार शम्भू श्री/ Sambhu Shree केँ एकपर एक गजल।

Ad
  • गजल -1 : लागल तीर करेजामे भोरके बात कहैछी

प्रितक राहमे आएल मोड़के बात कहैछी
लागल तीर करेजामे भोरके बात कहैछी ॥

ओना तँ घायल भेले छलौ आँखिक काँजरेसँ,
जान लैबला गुलाबी ओ ठोरके बात कहैछी ॥

सौन्दर्यताक पर्याय ओ श्याम वरण होइतो,
फिका ओकर आगु सब गोरके बात कहैछी ॥

गणितसँ घटाऊ आ भाग हटेनाई मुस्किल,
दिलके हिसाबमे मात्र गुणा-जोड़के बात कहैछी ॥

‘माधुरी’ आओर तँ किछु नै दिले लकऽ गेल,
‘शम्भु’ के ओहेन चितचोरके बात कहैछी ॥

© गजलकार: शम्भु श्री
Maithili Love Ghazal by Shambhu shree

  • गजल -2 : विश्वास नइँ त देखु आँखिके दर्पणमे

चमचम चमकैत मोनक गगनमे अँही चियै,
विश्वास नइँ त देखु आँखिके दर्पणमे अँहि चियै॥

ताजमहल त केवल भौतिक नश्वर शाँ जहाँके,
मुदा हमर अत्मिक प्रेमक भवनमे अँहि चियै ॥

अहाँके स्मरणसँ उमङ संचार भ’ जाएत अछि,
हमर हरेक पल शुभ लगनमे अँही चियै ॥

एकबेर अपन आत्मासँ पुछु विश्वास भ’ जाएत,
हमर निश्छल कोमल मनमे अँहि चियै ॥

माधुरी जिवनमे नै चियै अलग बात मुदा,
शम्भुके धड़कन चलाबैबला पवनमे अँहि चियै ॥

शम्भु श्री
Genre : ( Emotional, Love Ghazal in Maithili )

  • गजल 3 : प्रीय संगक होरी किछु खास भ जाय

वसन्त चढिते होरीके आभास भ जाय ।
प्रीय संगक होरी किछु खास भ जाय ॥

मन रंगीन होयते दुरियो समाप्त मिता ।
नहित अपनो अंगना प्रवास भ जाय ॥

केकरो आगमनसँ अन्हरियो राति ।
पुर्णिामा दिनके फागुनक मास भ जाय॥

कियो आबैत अछि जिनगीमे दबाई बनि ।
नजर पडिते हर पीडा वरदास भ जाय ॥

माधुरीके लाले-लाल रंगल रुप देखि ।
शम्भु चम्कैत सुन्दरताके दास भ जाय॥

शम्भु श्री

  • गजल 4 : राति सपनामे एकटा चान आएल छल

राति सपनामे एकटा चान आएल छल।
घुरि देहमे उडल प्राण आएल छल ॥

बेर-बेर अपन मुस्कानकेँ पिया-पिया कऽ।
हमर दिल चोराबएबला बेइमान आएल छल॥

पाएरक पायल छमछम बजाबैत-बजाबैत ।
रसेरस केअो दिलके दलान आएल छल ॥

एके बेर नहि बेर-बेर घाइल बनाबएबला ।
ककरो नजरक धरगर बाण आएल छल ॥

माधुरिक आगमनक पुर्व आभाससँ ।
शम्भुके कानमे सुमधुर गान आएल छल॥

शम्भु श्री

  • गजल 5: विषधर नैनसँ प्रेमक पाठ पढेलक मिता

विषधर नैनसँ प्रेमक पाठ पढेलक मिता ।
आजुक साँझ शराबी बनेलक मिता ॥

रसे रस जतेक समीप आबैत गेल ओ ।
ओते ओते कलेजोक चलि बढेलक मिता॥

ओकर स्पर्शसँ हमर रोइयाँ काँटो काँट भेल ।
ओहो अपन सबकुछ गमेलक मिता ॥

धह धह धधकैत अपन यौवनक आगिसँ ।
ई संगीन महफिल पलमे जरेलक मिता ॥

माधुरी नशा टूटल तऽभोर भऽ गेल छल।
शम्भु फेरसँ एक घोँट लगेलक मिता ॥

शम्भु श्री

  • गजल 6 : परिचितो अन्जान बनैय कारण कोरोनाके

परिचितो अन्जान बनैय कारण कोरोनाके ।
अपनो लोग दुर भगैय कारण कोरोनाके ॥

मानव अस्तित्व रक्षाके संघर्षक युद्धोके बेर ।
चारोभर मानवता मरैय कारण कोरोनाके ॥

बिज्ञान आ शक्तिशाली राष्ट्रक निरिहताके ।
प्रकृति ईतिहाँस रचैय कारण कोरोनाके ॥

उपचार जेकर प्रथम कर्तव्य इ दुनियामे ।
ओ दोसर भगवानो डरैय कारण कोरोनाके ॥

माधुरी साउनक वर्षा जका रुकैके नाम नहि ।
शम्भु मृतक संख्या बढैय कारण कोरोनाके ॥

शम्भु श्री के छथि ? [About Shambhu Shree]

  •  लेखनविधा: गजल
  • मूल नाम: शम्भु प्रसाद यादव
  • उपनाम: शम्भु श्री
  • पता: बरही विरपुर- 5 , सप्तरी
शम्भु श्री [ Shambhu Shree ] Maithili Ghazal, Mic, Hand, Banner
शम्भु श्री [ Shambhu Shree ]

गजेन्द्र गजुर

Gajendra Gajur [गजेन्द्र गजुर] is News Editor of Ilovemithila.com . Maithili Language Activist. He is Also Known for His Poetry. One of the Founder of Music Maithili App. गजेन्द्र गजुर एहि वेबसाइटक समाचार संयोजक छथि। कवि सेहो छथि। Email- [email protected],

Related Articles